12 C
London
Thursday, April 23, 2026

मिथिला हाट मे मधुश्रावणी डाली प्रतियोगिताक आयोजन, साक्षी झा प्राप्त कयलनि पुरस्कार

झंझारपुर, समदिया

मिथिला हाट मे मिथिला क्षेत्रक नवविवाहित महिलाक प्रसिद्ध पर्व मधुश्रावणीक अवसर पर मधुश्रावणी डाली सजावट प्रतियोगिताक आयोजन कयल गेल अछि। विवाहित महिला फूलक डाली ल’ क’ पहुंचि रहल छथि। श्रावण मास मे मधुश्रावणी पावनिक अवसर पर मिथिला हाट मे एकटा विशेष कार्यक्रमक आयोजन सेहो कयल गेल अछि,  जाहि मे नवविवाहित महिला सब अपन सखी सब संग फूलक डाली लए कए मिथिला हाट पहुंचैत छथि। तखन ओतहि डाली सजाओल जाइत अछि। एकटा उम्कृष्ट डाली कें मिथिला हाट प्रबंधन द्वारा पुरस्कारक रूप मे प्रशस्ति पत्र देल जा रहल अछि।

जानकारीक अनुसार मधुश्रावणी पाबनिक क्रम मे विवाहित महिलाक लेल ई स्मरणीय क्षण अछि। नवविवाहित महिला विवाहक पहिल वर्ष मे एकरा मनाबैत छथि। ई क्षण फेर कहियो नहि अबैत अछि। एहि क्रम मे रंग-बिरंगक कपड़ा पहिरने नवविवाहित महिला हाथ मे फूल आ पात सं सजाओल डाली लए कए  पहुंचैत छथि, जाहि सं पायल केर रूनझुन आ डाली सजेबाक आवाज होइत अछि। एहि प्रतियोगिता मे जकर डाली सब सं सुंदर होइत छैक, ओकरा पुरस्कार देल जाइत छैक।

आयोजक टीमक सदस्य नंदिनी सिंह कहलनि जे मिथिला हाट मे 25 जुलाई सं 6 अगस्त धरि प्रतिदिन ई कार्यक्रम आयोजित कयल जा रहल अछि। मिथिलाक समृद्ध संस्कृतिक संरक्षण लेल राज्यसभा सांसद संजय झाक दूरदर्शी सोच सेहो एहि आयोजन मे देखबा मे आबि रहल अछि। मिथिलाक सांस्कृतिक परंपरा कें मूल मे रखबाक प्रयास भए रहल अछि। मिथिला हाट विभाग द्वारा बनाओल गेल छल। एहि मे महिला सब उत्साह सं भाग लए रहल छथि।

ओ कहलनि जे कोसी रेंजक आयुक्त नीलम चौधरी ई पुरस्कार अंधराठाढ़ी प्रखंडक बरसाम गाम निवासी साक्षी झा कें देलनि अछि। नीलम चौधरी ई कार्यक्रम देखि बहुत उत्साहित नजरि आबि रहल छलीह। ओ मिथिला हाट घुमबाक लेल आयल छलीह। मिथिला हाट प्रबंधन द्वारा हुनका आमंत्रित कयल गेल छलनि। ई जानकारी प्रबंधन समितिक साकेत कुमार द्वारा देल गेल अछि। मिथिला हाट प्रतिदिन नव-नव आयाम सेट कए रहल अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here