10.3 C
London
Thursday, April 16, 2026

एक हजार सं बेसी पंचायत भवन आ 1000 विवाह मंडप, मुख्यमंत्री नीतीश राज्य कें देलनि करोड़ोक उपहार

पटना, समदिया

मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बुधदिन पंचायती राज विभागक अंतर्गत 1870 करोड़ रुपैयाक लागति सं प्रदेशक 829 पंचायत सरकार भवनक उद्घाटन आ 1823 करोड़ रुपैयाक लागति सं 663 पंचायत सरकार भवनक शिलान्यास केलनि। एकर संगहि मुख्यमंत्री कन्या विवाह मंडप योजना अंतर्गत 500 करोड़ रुपैयाक लागति सं 1000 विवाह मंडपक शिलान्यास सेहो कैल गेल। एहि कार्यक्रमक सीधा प्रसारण भागलपुरक समीक्षा भवन मे भेल।

समीक्षा भवन मे जिलाधिकारी डॉ. नवल किशोर चौधरीक अध्यक्षता मे आयोजित पंचायत सरकार भवन उद्घाटन आ शिलान्यास संगहि कन्या विवाह मंडप शिलान्यास कार्यक्रमक सीधा प्रसारणक उपरांत उपस्थित जनप्रतिनिधि सब कें संबोधित करैत कहलनि जे भागलपुर जिलाक 27 पंचायत सरकार भवनक उद्घाटन केल गेल अछि।

जाहि मे पीरपैंती प्रखंडक 06, जगदीशपुरक 03, सुल्तानगंजक 02, सन्हौलाक 05, शाहकुंडक 03, गोराडीहक 02, इस्माइलपुरक 01, बिहपुरक 01, नारायणपुरक 02, कहलगांवक 01 आ नाथनगरक 01 पंचायत सरकार भवन शामिल अछि। कुल 08 पंचायत सरकार भवनक शिलान्यास भेल अछि, जाहि मे सुल्तानगंज प्रखंडक 03, पीरपैंती प्रखंडक 01, शाहकुंडक 01, बिहपुरक 01, खरिकक 01 आ सबौरक 01 पंचायत सरकार भवन शामिल अछि।

ओ कहला जे जीविका दीदीक मांग पर मुख्यमंत्री कन्या विवाह मंडप योजना अंतर्गत पंचायत स्तर पर कन्या विवाह मंडप बनायल जा रहल अछि। एकरा सं ग्रामीण क्षेत्र मे शादी-विवाह आ विभिन्न पारिवारिक अनुष्ठानक अवसर पर ग्रामीण कें पैघ सहूलियत भेटत। जिला मे कुल 21 कन्या विवाह मंडपक शिलान्यास कैल गेल अछि। जाहि मे गोराडीह प्रखंडक 08, जगदीशपुरक 05, पीरपैंतीक 02 आ सुल्तानगंज, खरीक, नाथनगर, इस्माइलपुर, बिहपुर आ कहलगांवक 01-01 विवाह मंडपक शिलान्यास शामिल अछि।

कार्यक्रम कें सांसद अजय मंडल आ गोपालपुरक विधायक नरेंद्र कुमार नीरज उर्फ गोपाल मंडल सेहो संबोधित केलनि। एहि संगहि जिला परिषद अध्यक्ष मिथुन यादव, उपाध्यक्ष डॉ. प्रणय कुमार, उप विकास आयुक्त प्रदीप कुमार सिंह, सहायक समाहर्ता जतिन कुमार, अपर समाहर्ता दिनेश राम आ अन्य पदाधिकारीगण उपस्थित छलाह।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here