भागलपुर, समदिया
भागलपुर मे एनडीए केर विधायक आ सांसद सभक बीचक विवाद थमबाक नाम नहि लए रहल अछि। गोपालपुर विधानसभा क्षेत्रक जदयू विधायक गोपाल मंडल फेर सं अपनहि पार्टीक सांसद अजय मंडल आ एनडीए गठबंधनक भाजपा विधायक इंजीनियर शैलेंद्र पर निशाना सधैत बयानबाजी केलनि अछि। गोपाल मंडल दुनू नेताक कार्यशैली पर सवाल उठौलनि अछि आ बिहपुरक विधायक इंजीनियर शैलेंद्र पर जातिवादक आरोप लगाबैत गंभीर टिप्पणी केलनि अछि।
गोपाल मंडल आरोप लगौलनि जे जदयू सांसद अजय मंडल जनताक बीच नहि जाइत छथि। ओ कहलनि जे नीतीश कुमार आ पीएम मोदीक नाम पर लोकसभा चुनाव जीतलनि, मुदा जीतलाक बाद आब जनताक बीच नहि जाइत छथि। गोपाल मंडल कहलनि जे ओ विधानसभा चुनाव जीतला पर सेहो कखनो गामक लोकक बीच नहि जाइत छलाह। एतबे नहि, ओ पूर्व सांसद बुलो मंडल पर सेहो निशाना साधैत कहलनि जे आब हुनकर खिस्सा खत्म भए गेल अछि।
बाढि संकटक दौरान लापरवाहीक आरोप लगाबैत गोपाल मंडल इंजीनियर शैलेंद्र आ सांसद अजय मंडल पर सेहो आक्रमण केलनि। ओ कहलनि जे हमरा बड़बोला कहल जाइत अछि, मुदा हमरा पुछबाक अछि जे सांसद अजय मंडल आ विधायक शैलेंद्र आब कतय छथि। जाम तं हम तोड़वेलहुं। ओ कलमक लड़ाई लड़बाक बात करैत छथि, मुदा एहि बेर ओ कलमे मे चलि जेताह।
जातिवादक आरोप लगबैत गोपाल मंडल कहलनि जे इंजीनियर शैलेंद्र खांटी फॉरवर्ड छथि आ कखनो दोसरक घरक पानि नहि पीबैत छथि। ओ चुनावक समय आग्रह करैत छलाह जे पानि पी ली मुदा ओ कखनो नहि पीबैत छलाह। ई गर करबाक बात अछि जे गोपाल मंडल पहिनहुं सांसद अजय मंडल, पूर्व सांसद बुलो मंडल आ भाजपा विधायक इंजीनियर शैलेंद्र पर गंभीर आरोप लगबैत रहला अछि।