4.9 C
London
Monday, April 20, 2026

नीति आयोगक बैसार मे सरीक नहि भेला सीएम नीतीश, राजनीतिक चर्चा भेल तेज

पटना, समदिया

नीती आयोगक नवम बैसार शनिदिन नई दिल्ली मे भेल। एहि बैसारक अध्यक्षता प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी केलनि। एहि बैसार मे विपक्षक 7 मुख्यमंत्री भाग नहि लेलनि। तं सब सं आश्चर्यक बात ई छल जे बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो एहि बैसार मे भाग नहि लेलनि। नीतीश कुमारक पार्टी जदयू एनडीए केर सहयोगी अछि। ओना बिहारक दुनू उपमुख्यमंत्री विजय सिन्हा आ सम्राट चौधरी नीति आयोगक बैसार मे शामिल भेलाह अछि।

ओतै जदयूक प्रवक्ता नीरज कुमार कहलनि जे ई पहिल बेर नहि अछि जे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार नीति आयोगक बैसार मे भाग नहि लए रहल छथि। ओ कहलनि जे एहि सं पहिने सेहो नीतीश कुमार नीति आयोगक बैसार मे नहि आयल छलाह आ बिहारक प्रतिनिधित्व तत्कालीन उपमुख्यमंत्री करैत छलाह। नीरज कहलनि जे, एहि बेर सेहो दुनू उपमुख्यमंत्री बैसार मे शामिल हेबाक लेल दिल्ली गेल छथि।

नीरज कुमार कहलनि जे बिहार सं चारिटा केंद्रीय मंत्री सेहो नीति आयोगक सदस्य छथि आ बैसार मे उपस्थित छलाह। तें किछु कहबाक कोनो आवश्यकता नहि। जदयू महासचिव केसी त्यागी कहलनि जे, मुख्यमंत्री व्यक्तिगत कारण सं बैसार मे नहि आबि सकलाह आ एकर पाछू कोनो राजनीतिक कारण नहि अछि। ओ कहलनि जे बजट आ नीति आयोगक बैसार सं हम सब उत्साहित छी। नीतीश कुमारक बैसार मे नहि अयला पर भाजपा सांसद आ केंद्रीय मंत्री संजय सेठ कहलनि जे नीतीश कुमार किएक नहि एलाह से नहि जानि मुदा एनडीए केर मुट्ठी बंद अछि। ओ कहलनि जे एनडीए मजबूत अछि।

बैसार छोड़ि कए निकलि गेली ममता

बंगालक मुख्यमंत्री ममता बनर्जी नीति आयोगक बैसार मे शामिल भेल छलीह मुदा बीच मे बैसार छोड़ि देलनि। ममता बनर्जी आरोप लगौलनि जे आंध्र प्रदेशक मुख्यमंत्री चंद्रबाबू नायडू कें 20 मिनट बजबाक समय देल गेल, असम, गोवा आ छत्तीसगढ़क सीएम कें 10 सं 12 मिनट देल गेल मुदा हमरा मात्र 5 मिनट देल गेल, जे गलत अछि। ओना एहि मामला मे वित्तमंत्री निर्मला सीतारमण कहलनि जे नीति आयोगक बैठक मे सीएम बनर्जी भाग लेलनि। हम सब सुनलहुं। प्रत्येक सीएम कें आवंटित समय देल गेल आ ओकरा स्क्रीन पर देखाओल गेल जे प्रत्येक टेबुलक सामने छल। मुदा ममता मीडिया मे कहलनि जे हुनकर माइक बंद कए देल। ई पूर्णत: झूठ अछि। ओ कहलनि जे प्रत्येक मुख्यमंत्री कें बजबा लेल उचित समय देल गेल। ई दुर्भाग्यपूर्ण अछि जे पश्चिम बंगालक मुख्यमंत्री दावा कयलनि अछि जे हुनक माइक बंद कए देल गेल जे सही नहि अछि।

 

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here