12 C
London
Thursday, April 23, 2026

झारखंडक नव गवर्नर बनलाह संतोष कुमार गंगवार

रांची, समदिया

संतोष कुमार गंगवार झारखंडक नव राज्यपाल हेताह। वर्तमान राज्यपाल सीपी राधाकृष्णन कें महाराष्ट्रक राज्यपाल बनाओल गेल अछि। राष्ट्रपति देशक बहुत राज्य मे राज्यपालक नियुक्ति केने छथि। एहि संबंध मे अधिसूचना जारी कैल गेल अछि। बता दी जे झारखंडक नवका राज्यपाल संतोष कुमार गंगवार हेताह। सीपी राधाकृष्णन कें महाराष्ट्रक राज्यपाल बनाओल गेल अछि। संतोष कुमार गंगवार भाजपाक वरिष्ठ नेता छथि। बरेली लोकसभा सीट सं सांसद सेहो रहल छथि। लोकसभा चुनाव 2024 मे हुनका टिकट नहि भेटलनि। संतोष कुमार गंगवार आठ बेर बरेली सं सांसद रहल छथि। 1989 सं 2009 धरि लगातार 6 बेर जीत हासिल केलनि। हुनका 2009 मे हारिक सामना करय पड़ल छल।

2014 मे फेर जीतल छलाह। 2019 मे सेहो ओ शानदार जीत हासिल केलनि। मोदी सरकारक पहिल कार्यकाल मे हुनका मंत्री बनाओल गेल छल। ओ पहिल बेर राज्य मंत्री बनाओल गेल छलाह। कपड़ा मंत्रालयक जिम्मेदारी हुनका भेटलनि। जुलाई 2016 धरि ओ एहि पद पर रहलाह। तकर बाद हुनका वित्त राज्य मंत्री बनाओल गेलनि । 2017 धरि ओ वित्त राज्य मंत्री रहलाह। एकर बाद हुनका श्रम आ रोजगार मंत्रालयक जिम्मेदारी भेटलनि। जाहि पर ओ 2021 धरि रहलाह। एकर अलावा संतोष गंगवार भाजपा मे संगठनात्मक स्तर पर सेहो कतेको जिम्मेदारीक निभेने छथि।

बताबी जे राष्ट्रपति द्रौपदी मुर्मू महाराष्ट्र, पंजाब, राजस्थान, तेलंगाना, झारखंड सहित बहुत रास राज्यक नव राज्यपाल आ पुडुचेरीक उपराज्यपाल नियुक्त केने छथि। राष्ट्रपति भवन द्वारा जारी विज्ञप्ति मे कहल गेल अछि जे राष्ट्रपति पंजाबक राज्यपाल आ चंडीगढ़क प्रशासक बनवारी लाल पुरोहितक इस्तीफा स्वीकार कए लेलनि अछि। हुनक जगह पर गुलाब चंद कटरिया कें नियुक्त कयल गेल अछि, जे अखन असम केर राज्यपाल छथि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here