9.7 C
London
Monday, April 27, 2026

बिहार पुलिसक सब आइओ कें देल जायत लैपटॉप आ स्मार्टफोन

पटना, समदिया

मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक अध्यक्षता मे भेल कैबिनेट बैठक मे कतेको महत्वपूर्ण निर्णय लेल गेल अछि। बिहार पुलिसक सभ अनुसंधानकर्ता (आइओ) कें लैपटॉप आ स्मार्टफोन प्रदान कएल जाएत, जकरा लेल 190 करोड़ 63 लाख 20 हजार टाका स्वीकृत कएल गेल अछि। संगहि बिहार फार्मासिस्ट संवर्ग केर पद सभ पर नियुक्ति आ हुनकर सेवा शर्त सभक निर्धारण लेल बिहार फार्मासिस्ट संवर्ग संशोधन नियमावली 2024 केर गठनक मंजूरी देल गेल अछि।

एकर अलावा, पैक्स चुनाव लेल 18 करोड़ 64 लाख टाकाक मंजूरी आ कुंडघाट जलाशय योजना लेल 270.31 करोड़ टाकाक प्रशासनिक स्वीकृति भेटल अछि। कर्मनाशा नदी पर पंप नहर योजनाक निर्माण लेल लगभग 90 करोड़ टाका सेहो स्वीकृत कएल गेल अछि।

डॉ. नादरा फातिमा सेवा सं बर्खास्त

बांका सदर अस्पतालक चिकित्सा पदाधिकारी डॉ. नादरा फातिमा कें अनाधिकृत रूप सं अनुपस्थित रहबाक कारण सरकारी सेवा सं बर्खास्त कएल गेल अछि। कैबिनेट द्वारा एहि सं जुड़ल निर्णय कें स्वीकृति देल गेल अछि। ताहि समय डॉ. जनार्दन प्रसाद सुकुमार, जे क्षेत्रीय अपर निदेशक स्वास्थ्य सेवा छथि, हुनकर बर्खास्तगीक आदेश कें रद्द कए हुनका फेर सं सेवा मे बहाल करबाक स्वीकृति सेहो देल गेल अछि।

पंप नहर परियोजना लेल 14 करोड़क स्वीकृति

कोसी-मेची अंतरराज्यीय लिंक परियोजना अंतर्गत फेज-दू केर अंतर्गत सर्वेक्षण आओर अन्वेषण कार्य संग विस्तृत योजना प्रतिवेदनक लेल 14 करोड़ 16 लाख 31 हजार रुपैयाक स्वीकृति देल गेल अछि। कर्मनाशा नदी पर पंप नहर योजनाक निर्माणक लेल 89 करोड़ 94 लाख 86 हजार रुपैयाक स्वीकृति सेहो प्रदान कएल गेल अछि। एकर संगहि साउथ बिहार पावर डिस्ट्रीब्यूशन कंपनी लिमिटेड अंतर्गत कैमूर आ रोहतास जिलाक 177 बसावट आ 132 गामक 21,644 घर कें ग्रीड सं विद्युतीकरण करबाक योजना बनाओल गेल अछि। एकर पुनरुत्थान वितरण क्षेत्र योजना अंतर्गत 117.80 करोड़ रुपैयाक स्वीकृति देल गेल अछि, जाहिमे 60 प्रतिशत राशि केंद्र सरकार आ 40 प्रतिशत राशि राज्य सरकार देत। बिहार सरकार द्वारा देल जायवला 47.12 करोड़ रुपैयाक स्वीकृति कैबिनेट द्वारा देल गेल अछि।

बापू टावरक संचालन लेल 63 पदक सृजन

बापू टावर, पटना केर निर्वाध संचालन हेतु 20 पदक सृजनक स्वीकृति देल गेल अछि। संगहि, 1 करोड़ 63 लाख 51 हजार 104 रुपैयाक वार्षिक व्यय पर निदेशक संग्रहालयक पदक सृजनक सेहो स्वीकृति प्रदान कएल गेल अछि। नव औद्योगिक प्रशिक्षण संस्थान, मोकामा केर स्थापना लेल 43 पदक सृजनक स्वीकृति सेहो देल गेल अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here