17.9 C
London
Thursday, April 23, 2026

आब कोइ सुरक्षित नहि… बाबा सिद्दीकीक हत्या सं भावुक भेलाह तेजस्वी

पटना, समदिया

महाराष्ट्रक पूर्व मंत्री, तीन बेरक विधायक आ हालहि मे कांग्रेस छोड़ि राष्‍ट्रवादी कांग्रेस पार्टी (एनसीपी) अजित पवार गुट ज्वाइन करय बला सीनियर नेता बाबा सिद्दीकीक गोली मारि कए हत्या कए देल गेल अछि। हुनकर हत्या पर फिल्म सं लए कए राजनीति जगत धरि मर्माहत अछि। बिहारक नेता प्रतिपक्ष आ आरजेडी नेता तेजस्वी यादव हुनकर हत्या पर पैघ बयान देलनि अछि। हुनका सं भेल भेंट आ गोपालगंजक बात सभ कें स्मरण करैत तेजस्वी यादव भावुक भए गेलाह आ कहलनि जे आब केओ सुरक्षित नहि अछि। बाबा सिद्दीकीक लालू यादव सं बहुत समीपक संबंध छल। तेजस्वी यादव कहलनि अछि जे हुनकर हत्या सं ई साबित भए रहल अछि जे अपराधी सभक मोन बहुत बढ़ि गेल अछि, जिनका पर राज्य सरकार सभक काबू नहि अछि। हुनकर हत्या एहन समय मे कए देल गेल अछि, जखन महाराष्ट्र मे विधानसभा चुनाव होयबाक अछि।

पटना मे पत्रकार सभ सं गप्प करैत तेजस्वी यादव कहलनि जे जाहि प्रकार सं हुनकर गोली मारि कए हत्या कए देल गेल अछि, ओ बहुत दुखद अछि। हमरा सभ कें बहुत पीड़ा भेल अछि। दुखक एहि घड़ी मे हुनकर परिवारक प्रति हमरा सभक पूरा संवेदना अछि। बाबा सिद्दीकी हमरहि जिला गोपालगंजक मूल निवासी छलाह। किछु दिन पहिने जखन हम मुंबई गेल रही, तं हुनका सं भेंट भेल छल। ई बहुत आश्चर्यजनक बात अछि जे मुंबई जे एतेक पैघ शहर अछि, खास कए बांद्राक लोकेशन जे अछि, जं ओतय एहन घटना भए जाइत अछि तं कोइ सुरक्षित नहि अछि। हत्यारा सभक मोन बहुत बढ़ि गेल अछि। एहन हालति मे राज्य सरकार सभ कें लॉ एंड ऑर्डर कें लए कए किछु करय पड़त।

वास्तव मे बाबा सिद्दीकीक परिवार गोपालगंजक मांझाक शेखटोलाक निवासी अछि। हुनकर रिश्तेदारक लोक शेखटोला मे आइयो रहैत छथि। जियाउद्दीन सिद्दीकी उर्फ बाबा सिद्दीकी गाम अबैत-जाइत रहैत छलाह। हालहि मे गोपालगंज आएल बाबा सिद्दीकी अपन गामक पुरान मित्र आ परिवारक सदस्य सभ सं भेंट कएने छलाह। एक सरकारी स्कूल मे आयोजित कार्यक्रम मे ओ पठन-पाठन सामग्रीक वितरण सेहो कएने छलाह। हुनकर लालू यादव सं बहुत लगाव छल। हुनकर मौतक खबरि सं शेखटोला मे आइ सन्नाटा पसरि गेल अछि। गामक लोक शोकक स्थिति मे अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here