पटना, समदिया
नीतीश मंत्रिमंडलक बैसार मे 36टा प्रस्ताव कें मंजूरी भेटल। जाहि मे एकटा महत्वपूर्ण योजना कें सेहो मंजूरी देल गेल। मुख्यमंत्री होम स्टे, ब्रेड एंड ब्रेकफास्ट प्रोत्साहन योजना-2024 कें मंत्रिमंडलक मंजूरी भेटल अछि। जेकर अंतर्गत आब बिहार आबय वाला पर्यटक गाम-शहर मे सेहो घर मे रहि सकैत छथि। एहि योजना अंतर्गत घरक एकटा हिस्सा कें गेस्ट हाउस मे बदलल जाएत। जकर अंतर्गत एक सं छहटा कमरा आ दू सं 12टा बेड रहब अनिवार्य अछि। ओहि मे ब्रेड आ नाश्ता सेहो शामिल रहत।
एहि योजनाक लाभ उठाबय लेल राज्यक मकान मालिक कें पर्यटन विभाग मे रजिस्ट्रेशन कराबय पड़त। जाहि मे देखल जायत जे पर्यटन स्थल सं घरक दूरी की अछि? घर मे कतेक कोठली अछि? कोन-कोन सुविधा अछि? सुरक्षा आ साफ-सफाई के की व्यवस्था अछि? संगहि शहरी क्षेत्र मे पर्यटन केंद्र सं अधिकतम 5 किमीक दूरीक मकान, जखन कि ग्रामीण क्षेत्र मे एहि योजना अंतर्गत अधिकतम 10 किमीक दूरीक मकान कें जोड़ल जा सकैत अछि।
राज्य सरकार एहि योजना मे शामिल मकान मालिक कें सेहो मदति करत। जकर अंतर्गत राज्य सरकार एहि लोन पर अढ़ाई लाख टका धरिक ब्याज देत। राज्य मे पर्यटन बढ़ेबा लेल नीतीश सरकारक ई एकटा पैघ पहल अछि। एहि योजना अंतर्गत आब प्रखंड विकास अधिकारी पंचायत समितिक कार्यकारी अधिकारी हेताह। प्रखंड पंचायत राज अधिकारी हुनका संग अतिरिक्त कार्यकारी अधिकारीक रूप मे काज करताह। अपर कार्यकारी अधिकारी कें किछु प्रशासनिक अधिकार सेहो देल गेल अछि।
योजना मे भाग लेबय वाला ग्रामीण कें पर्यटन विभाग दिस सं सेहो प्रशिक्षण देल जाएत। जाहि मे पर्यटकक संग कोना व्यवहार करबाक चाही, हुनका सभ सं कोना गप्प करबाक चाही, एकर संग-संग ‘अतिथि देवो भव:’ केर संकल्प सेहो पूरा करय पड़त। एहि योजनाक माध्यम सं गामक युवा कें सेहो रोजगार भेटत। मुख्यमंत्री होम स्टे योजनाक उद्देश्य पर्यटक कें सस्ता दाम पर रहबाक व्यवस्था आओर ग्रामीण कें रोजगारक अवसर देबाक अछि।



