पटना, समदिया
राष्ट्रीय लोक जनशक्ति पार्टीक अध्यक्ष आ पूर्व केंद्रीय मंत्री पशुपति कुमार पारस बुध कें पटना मे घोषणा कयलनि जे हुनक पार्टी रालोजपा 2025 केर बिहार विधानसभा चुनाव मे राज्यक 243 सीट मे सं 243 सीट पर चुनाव लड़बाक तैयारी कए रहल अछि। पारसक पार्टी एखन भारतीय जनता पार्टी (भाजपा) केर नेतृत्व मे राष्ट्रीय लोकतांत्रिक गठबंधन (एनडीए) केर हिस्सा अछि। पारसक ई बयान 2020 केर बिहार विधानसभा चुनाव मोन पाड़ैत अछि जहन चिराग पासवान लोक जनशक्ति पार्टी (लोजपा) केर असगरे 135 सीट पर चुनाव लड़ल छलाह। एहि मे सं बेसी सीट जदयू आओर एनडीए केर सहयोगी वीआईपी आओर हम केर छल। ओहि चुनाव मे चिराग मात्र एकटा सीट जीति सकलाह आ ओ विधायक सेहो बाद मे जदयू मे शामिल भए गेल।
पारस पटना मे रालोजपाक बैसार मे कहलनि जे पार्टीक संगठन कें मजबूत करबा लेल पूरा बिहार मे अभियान चलाओल जायत। ओ कहलनि जे एहि अभियानक अंतर्गत हम 243 सीटक तैयारी करब। एनडीए केर संग आगू बढ़ला पर ओ अपन विकल्प खोलि देलनि। पशुपति पारस कहलनि जे समय बताओत, कखन समय आओत, केकरा संग गठबंधन करब, वा नहि गठबंधन करब। मुदा पार्टी संगठन कें मजबूत करब। एहि लोकसभा चुनाव मे भाजपा पारसक पार्टी कें एकहुटा सीट नहि देलक जे पार्टीक छह सांसद मे सं पांचटा सांसद कें तोड़ि कए रामविलास पासवानक निधनक बाद नव पार्टी बनेने छलाह।



