17 C
London
Thursday, April 23, 2026

30 लाख कैश संग पाटलिपुत्र स्टेशन पर धरायल युवक

पटना, समदिया

राजधानी पटनाक पाटलिपुत्र रेलवे स्टेशन पर एक युवक कें तीस लाख नगद संग पकड़ल गेल अछि। जीआरपी (रेल पुलिस) द्वारा कयल गेल कारवाइ मे उक्त युवक धरायल। युवक बैग मे एतेक राशि लए कए जा रहल छल। संदेहक आधार पर पुलिस ओकरा डिटेन कयलक। पूछताछ मे ओ कहलक जे पटना हाईकोर्ट मे ठेकेदारी करैत अछि। रेल पुलिसक टीम ओकरा सं पूछताछ कए रहल अछि। एहि बीच आयकर विभाग कें एहि मामलाक सूचना देल गेल अछि आ इनकम टैक्स डिपार्टमेंट बरामद नगदीक जांच मे जुटल अछि। ओ राजधानी एक्सप्रेस सं एतेक राशि लए कए जा रहल छल।

पाटलिपुत्र स्टेशन पर युवकक बैग मे एतेक नगद देखि जीआरपी संग उपस्थित लोक सभ सेहो आश्चर्य मे पड़ि गेल। रेल पुलिस जहन ओकरा सं एहि रकमक ब्योरा तंगलक तं ओ सही जानकारी नहि देलक। ओ अपना कें हाईकोर्टक ठेकेदार बतबैत रहल। नगद संग पकड़ल गेल युवक अभिषेक आनंद अपना कें पुनपुनक रहनिहार बता रहल अछि। कहल जा रहल अछि जे ओ कटिहार सं तीस लाख नगद लए कए पटना पहुंचल छल। युवक प्लेटफॉर्म नंबर एक पर राजधानी एक्सप्रेस सं उतरल छल। ड्यूटी पर तैनात रेल पुलिसक जवान सभ संदेहक आधार पर ओकरा रोकि लेलक।

जीआरपी जवान जहन युवक सं पुछलक जे बैग मे की अछि, तं ओ जवाब देबा सं बचय लगल। एहि पर पुलिस ओकरा रोकि लेलक आ थाना मे पदाधिकारी कें सूचना देल गेल। अधिकारी सभक उपस्थिति मे जब ओकर बैग खोलल गेल, तं ओहि ठाम मौजूद सभ गोटे चौंकि उठल। बैग मे पांच सौक साठि बंडल राखल गेल छल।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here