बेनीपट्टी, समदिया
प्रखंडक करहारा पंचायत मे होइत पैक्स चुनाव लेल सभ तैयारी पूरा क’ लेल गेल अछि। बुधदिन (आइ) कड़गर सुरक्षा व्यवस्था के बीच मतदान करायल जाएत। एहि लेल उत्क्रमित मध्य विद्यालय करहारा के मतदान केंद्र बनाओल गेल अछि, जतय तीन बूथ—1 क, ख आ ग—बनाओल गेल अछि।
सभ बूथ पर मजिस्ट्रेट, पुलिस पदाधिकारी आ सुरक्षा बल के तैनाती कएल गेल अछि। मतदान शांतिपूर्ण ढंग सँ सम्पन्न कराब’ लेल पोलिंग पार्टी के मंगलदिन मतपेटी आ अन्य सामग्री संग बूथ पर भेजि देल गेल।
मतदान के समय भोरे 7 बजे सँ अपराह्न 4:30 बजे धरि निर्धारित अछि। मतदान खत्म भेला के बाद प्रखंड कार्यालय स्थित मेघदूतम टीपीसी भवन मे मतगणना कएल जाएत।
करहारा पैक्स मे अध्यक्ष के 1 पद आ प्रबंध कार्यकारिणी सदस्य के 6 पद, यानी कुल 7 पद लेल मतदान होइत अछि। एहि मे 6 सदस्य पद मे 1 पिछड़ा वर्ग आ 5 सामान्य वर्ग लेल अछि। कुल 1494 मतदाता अपन मताधिकार के प्रयोग करथिन।
एहि बीच, प्रबंध कार्यकारिणी सदस्य के कुछ आरक्षित पद पर एके प्रत्याशी रहबाक कारण निर्विरोध चुनाव भ’ गेल अछि।
- अनुसूचित जाति सीट सँ राम प्रताप साफी
- पिछड़ा वर्ग महिला सँ उर्मिला देवी
- अतिपिछड़ा वर्ग सँ शिवजी राउत
एहि तरह सँ दोसर पैक्स सभ मे सेहो कई उम्मीदवार निर्विरोध निर्वाचित भ’ चुकल छथि, जाहि कारण कतेको स्थान पर मतदान नहि होएत।
बताओल गेल अछि जे करहारा आ बसैठ पैक्स मे अध्यक्ष आ सदस्य पद लेल उपचुनाव घोषित भेल छल, जबकि मुरैठ आ शाहपुर मे सिर्फ कार्यकारिणी सदस्य पद लेल चुनाव होइत छल। बसैठ मे कोरम पूरा नहि भेला आ अन्य स्थान पर निर्विरोध निर्वाचन भेला कारण ओतय मतदान नहि होएत।
करहारा पैक्स मे निष्पक्ष आ शांतिपूर्ण चुनाव सुनिश्चित कर’ लेल समस्तीपुर के दलसिंहसराय बाढ़ नियंत्रण प्रमंडल के सहायक अभियंता कुणाल कुमार के प्रेक्षक बनाओल गेल अछि।
निर्वाची पदाधिकारी सह बीडीओ महेश्वर पंडित कहलनि जे प्रशासन शांतिपूर्ण वातावरण मे चुनाव सम्पन्न कराब’ लेल पूरी तरह प्रतिबद्ध अछि।



