पटना, समदिया
राज्यक सभ प्रखंड आ पंचायत सभ में खेल मैदान आ रनिंग ट्रैक बनाओल जायत। बैंडमिंटन आ वॉलीबॉल कोर्ट सेहो तैयार कयल जायत। मुख्य सचिव अमृत लाल मीणा ग्रामीण विकास विभाग केँ मनरेगा सँ एहि काज केँ संचालित करबाक आदेश देलनि अछि। खेल आ शिक्षा विभाग सँ सेहो विभिन्न खेलक लेल मैदान बनबैक प्रस्ताव मंगाओल जायत। ई दुनू विभागक पास मौजूद खेल मैदान सभ केँ सेहो विकसित कयल जायत। बाद में खेल विभाग केँ एहि मैदान सभक देख-रेख आ आओर विकास करबाक जिम्मा सौंपल जा सकैत अछि।
सिपाही आ आर्मी बहालीक तैयारी में होयत सुविधा
एकटा खेल मैदान केँ कतेको खेलक लेल विकसित कयल जायत। हरेक खेल मैदान में रनिंग ट्रैक बनाओल जायत, जे सँ सिपाही आ आर्मी बहालीक तैयारी कर’ वाला युवाक लेल सुविधा होयत। रनिंग ट्रैकक संग हाइजंप, लॉन्ग जंप आ ऊँच कूदक लेल विशेष स्थान बनाओल जायत। वर्तमान में खेल मैदान सभक स्थिति नीक नहि होयबाक कारण आ प्रोफेशनल तरीके सँ रनिंग ट्रैक आ बहाली संबंधी अन्य सुविधा नहि भेटबाक कारणेँ युवाकें कतेको कठिनाई होइत अछि, ओ सभक सड़क पर दौड़क तैयारी कर’ पड़ैत अछि। मुख्य सचिव द्वारा हाल में ग्रामीण विकास विभागक समीक्षा कयल गेल छल। एहि दौरान मनरेगा सँ खेल मैदान आ रनिंग ट्रैक बनाब’ क’ योजना पर मुख्य सचिवक जानकारी भेटल छल आ ओ एहि योजना केँ बड़े पैमाना पर करबाक आदेश देलनि। ओ शिक्षा आ खेल विभाग केँ सेहो एहि योजना में शामिल करबाक निर्देश देलनि।
मनरेगा सँ 674 खेल मैदान बनि रहल अछि
वर्तमान में मनरेगा सँ राज्यभरि में खेल मैदान बनाओल जा रहल अछि। एहि योजना अंतर्गत कम सँ कम एकटा प्रखंड में एक खेल मैदान बनाबक काज चलि रहल अछि, जाहिमें 56 खेल मैदान बनिक’ तैयार भ’ गेल अछि।



