पटना, समदिया
बिहारक पूर्व डिप्टी सीएम आ राजद नेता तेजस्वी यादव उपमुख्यमंत्री वला सरकारी आवास खाली कए देलनि अछि। ई बंगला आब वर्तमान डिप्टी सीएम सम्राट चौधरी कें भेटि गेल अछि। बीजेपी आरोप लगौने अछि जे तेजस्वी यादव एहि सरकारी आवास सं कतेको सामान अपना संग लए गेलाह। एहि मामला मे पहिनहिं सं घमासान मचल अछि। आब एहि पर पोस्टरवार शुरू भए गेल अछि। पटनाक सड़क पर एहि पर पोस्टर लगा कए तेजस्वी यादव संग-संग लालू यादव पर निशाना साधल जा रहल अछि। पोस्टर मे तेजस्वी यादवक कार्टून बना कए टोंटी चोर आ लालू यादव केर कार्टून पर चारा चोर लिखल गेल अछि। आरजेडी एहि पर बीजेपीक विरुद्ध तीक्ष्ण प्रतिक्रिया व्यक्त कए रहल अछि। सबसं खास बात ई अछि जे पोस्टर केकरा द्वारा लगाओल गेल, एहि संबंध मे किछु जानकारी नहि भेटि रहल अछि। पोस्टर पर केओ अपन क्लेम नहि कयने अछि।
पटनाक सड़क पर लगाओल गेल एहि पैघ-पैघ पोस्टर मे तेजस्वी यादव आ लालू यादवक कार्टून बनाओल गेल अछि। कार्टूनक माध्यम सं हुनका पर सियासी हमला कयल गेल अछि। पोस्टर मे देखल जा सकैत अछि जे तेजस्वीक हाथ मे नल नजरि आबि रहल अछि आ हुनकर कार्टूनक सामने टोंटी चोर लिखल गेल अछि। ओहिना, लालू यादवक कार्टूनक आगू पशु चारा राखल गेल अछि आ हुनका चारा चोर बता कए इशारा कयल गेल अछि। ओना ई पोस्टर केकरा द्वारा लगाओल गेल अछि, एहि संबंध मे जानकारी अखन धरि सामने नहि आयल अछि। भाजपा एकरा जनताक पोस्टर कहि रहल अछि।
एहि पोस्टर कें लए कए राजनीतिक बयानबाजी सेहो शुरू भए गेल अछि। राजदक प्रवक्ता मृत्युंजय तिवारी बीजेपीक विरुद्ध तीक्ष्ण प्रतिक्रिया दैत कहलनि जे तेजस्वी यादवक लोकप्रियता सं हुनकर विरोधी बौखलाहट आ निराशा मे छथि। एही कारणें हुनकर छवि कें खराब करबा खातिर ई पोस्टर लगाओल गेल अछि। मृत्युंजय तिवारी कहलनि जे तेजस्वी यादव उपमुख्यमंत्री रहिते जे बंगला पौलनि, ओहिके खाली कए देलनि अछि। आब भाजपा गंदा राजनीति कए रहल अछि। तेजस्वी यादव पर सामान लए कए चलि जयबाक आरोप लगाइत अछि। एहि सं पता चलैत अछि जे ई लोक तेजस्वी यादव जीक फोबिया सं ग्रसित छथि। जं बीजेपी चाहैत अछि जे तेजस्वी यादव डिप्टी सीएम केर कोठली मे एसी आ बेड लगा देथिन, तं खुलि कए कहु, ई काज कए देल जायत, मुदा एहेन निचला स्तरक राजनीति तं भाजपे कए सकैत अछि।



