9.7 C
London
Monday, April 27, 2026

बिहारमे विधानसभा चुनावक तैयारी शुरू, जतय कम वोट पड़ल, ओतय आयोगक विशेष सर्वे, एहि बेर मतदाता पुनरीक्षणक कार्य होयत महत्वपूर्ण

पटना, समदिया

बिहार विधानसभा के कार्यकाल नवम्बर 2025 तक अछि। मुदा निर्वाचन विभाग विधानसभा चुनावक तैयारी शुरू क’ चुकल अछि। एहि बेर मतदाता पुनरीक्षण महत्वपूर्ण होयत। विधानसभा चुनावक लेल मतदान केन्द्रक संख्या एहि सूचीक आधार पर तय होयत। बड़ा संभावना अछि जे प्रत्येक विधानसभा क्षेत्र में बूथ बदला जाएत आ नव बूथ बनाओल जाएत।

आयोग एक जनवरी 2025 क’ कट ऑफ डेट मानि क’ मतदाता सूची तैयार क’ रहल अछि। अर्थात एक जनवरी क’ जे 18 वर्षक होयत, हुनक नाम वोटर लिस्ट में जुड़ि जायत। निर्वाचन विभागक द्वारा सभ निर्वाचक निबंधन पदाधिकारी क’ बीएलओ संग नियमित बैठक कर आ लगातार समीक्षा करबाक निर्देश देल गेल अछि।

संगहि लोकसभा चुनाव में सबसे अधिक आ सबसे कम मतदान प्रतिशत वाल केन्द्रक अध्ययन निर्वाचक निबंधन पदाधिकारी (ईआरओ) आ सहायक निर्वाचक निबंधन पदाधिकारी (एईआरओ) करि रहल छथि। हुनकर काज ओह कारणक पता लगाब’ क’ अछि जेकर कारण कम वोटिंग भेल।
सभ 243 विधानसभा क्षेत्र में लोकसभा चुनावक दौरान सबसे कम आ सबसे अधिक मतदान वाले बूथ सभ चिन्हित कर सर्वे क’ रहल अछि। एहेन बूथ सभ पर रिपोर्टक आधार पर विशेष कार्रवाई होयत।

लोकसभा चुनाव में वोटिंगक स्थिति

  • टॉप-10 क्षेत्र: 2019 के तुलना में 2024 में कम वोटिंग भेल
    – काराकाट, जहानाबाद, हाजीपुर, पाटलिपुत्र, सासाराम, बक्सर, नालंदा, पटना साहिब, वैशाली आ मुंगेर।

    टॉप-10 क्षेत्र: 2019 के तुलना में 2024 में अधिक वोटिंग भेल
    – नवादा, बांका, जमुई, कटिहार, बेगूसराय, भागलपुर, किशनगंज, गोपालगंज, औरंगाबाद आ गया।

    जहि ठाम कम वोट भेल, ताहि ठाम वोटिंग बढ़ाब’ पर विशेष फोकस होयत।

    वोटर लिस्ट में नाम जोड़बाक-सुधारक काज 2 चरण में

    पहिल चरण: 20 अगस्त सँ शुरू भेल अछि। 18 अक्टूबर तक चलत। एहि दौरान सभ बीएलओ के माध्यम सँ घर-घर जाक’ मतदाता क’ सत्यापन, मतदान केन्द्र चिन्हित करब, एपिक में गड़बड़ियों क’ दूर करब आ धुंधली तस्वीर में सुधार करब होयत।

    – परिवारक सदस्यक नाम एकहि प्रभाग में दर्ज करब
    – मतदाताक मतदान केन्द्र सँ दूरी 2 किमी सँ कम राखब
    – मृत आ दोहरीकरण प्रविष्टिक हटाब’
    – छूटल आ भावी मतदाता क’ नाम जोड़ब

    बिहारक मुख्य निर्वाचन पदाधिकारी द्वारा 2 नवम्बर, 3 नवम्बर, 23 नवम्बर आ 24 नवम्बर क’ विशेष अभियानक तारीख निर्धारित कयल गेल अछि।

    दोसर चरण:प्रारूप प्रकाशनक बाद होयत। दावा-आपत्तिक 24 दिसंबर तक निष्पादन कएल जायत। 6 जनवरी क’ मतदाता सूचीक अंतिम प्रकाशन होयत।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here