मुंगेर, समदिया
मुंगेर मे अपराधी सभ एकटा पैघ घटना कें अंजाम देलक अछि। एहि ठाम राजद नेता कें अहल भोरे गोली मारि देल गेल अछि। मुंगेर जिला मे बृहस्पति भोर बाइक सवार अपराधी सभ राजदक प्रदेश महासचिव पंकज यादव पर गोली चला देलक। गोली पंकज यादवक छाती मे लागल। हुनका इलाजक लेल निजी नर्सिंग होम मे भर्ती कराओल गेल, जतय हुनकर स्थिति खतरा सं बाहर बताओल जा रहल अछि। पंकज यादव सब दिन जकां हवाई अड्डा पर टहलि रहल छलाह। एहि बीच पहिने सं घात लगौने अपराधी सभ बाइक पर आबि कए ओहिना गोली चला देलक। घटना कें अंजाम दए कए बदमाश सभ फरार भए गेल। सूचना भेटिते सफिया सराय, कासिम बजार आओर कोतवाली पुलिस ओहि ठाम पहुंच गेल। पुलिस मामलाक जांच कए रहल अछि।
एहि वारदातक एकटा प्रत्यक्षदर्शी कहलनि जे जमालपुर-मुंगेर रोड पर स्थित एयरपोर्टक समीप एकटा खुजल मैदान मे पंकज यादव आओर दोसर किछु लोक टहलि रहल छलाह। एहि बीच तीन अपराधी मोटरसाइकिल सं ओतय पहुंचल आओर आम लोकक जकां हुनकर चारू कात घूमि कए बातचीत करय लगलाह। अचानक ओहि सभ मे सं एकटा अपराधी पिस्टल निकाललक आओर राजद नेता पर तीन गो गोली चला देलक। गोलीबारी मे गंभीर रूप सं घायल राजद नेता पंकज यादव कें स्थानीय लोक सभ सदर अस्पताल पहुंचेलक। एहि ठाम डॉक्टर हुनका नीक इलाजक लेल सदर अस्पताल पठा देलक। पंकजक छाती मे एकटा गोली लागि गेल।
स्थानीय लोकक कहब अछि जे जतय घटना भेल, ओहि ठाम रातिक समय अपराधी सभ एकटा महिला कें सेहो गोली मारि देने छल। पंकज यादवक पिता पुलिस सं कहलनि जे दू गो अपराधीक पहिचान मिट्ठू यादव आ नमन यादवक रूप मे भेल अछि। एहि मे सं एकटा मिट्ठू यादव बुधक दिन हुनका घर आयल छल आओर पंकज यादव सं मांग कयने छल जे ओ एकटा पुलिस केस मे पैरवी करथि। मुदा पंकज एहि सं मना कए देने छलाह।



