7.4 C
London
Thursday, April 23, 2026

वैशाली मे भीषण सड़क दुर्घटना, ट्रकक टक्कर सं छह गोटे तोड़लक दम

वैशाली, समदिया

वैशाली जिला मे एकटा भीषण सड़क दुर्घटना भेल अछि। जाहि मे दू टा महिलाक मौका पर मौत भए गेल। जखन कि इलाजक क्रम मे अस्पताल मे दू महिला सहित चारि गोटेक मौत भए गेल। बताओल जा रहल अछि जे वैशाली थाना क्षेत्रक कोल्ड स्टोरेजक समीप एकटा ट्रक आ ऑटोक बीच भीषण टक्कर भेल अछि। एहि टक्कर मे ऑटो नष्ट भ गेल। जाहि मे 5 महिला सहित 6 गोटेक मौत भए गेल।

ऑटो मे यात्रा करय वाला सब लोक बुढ़िया मैया मंदिर सं पूजा कए वापस आबि रहल छल। यात्री लोकनि कहलनि जे ठीक तखने हम सब हाजीपुर सं मुजफ्फरपुर वापस आबि रहल छलहुं। मृतक मे सं बहुतो महिला मोतीपुर बखराक निवासी छथि। ऑटो मे कुल 9 गोटे छल। मृतकक परिवार मे शोक मचल अछि।

ताजा जानकारीक अनुसार मृतक सब मुजफ्फरपुर जिलाक मोतीपुर नगर परिषद क्षेत्रक वार्ड नम्बर 12 साढ़ाढंबर गामक निवासी बताओल जा रहल अछि। एहि घटना मे ऑटो चालक पति-पत्नीक सेहो मौत भए गेल। पीएमसीएच मे एकटा आओर घायल व्यक्तिक मौत भए गेल। एखन धरि एहि दुर्घटना मे 6 गोटेक मौत भए चुकल अछि। जाहि मे एकटा ड्राइवर आ 5 महिला शामिल छथि।

वैशाली जिलाक चकवास कोल्ड स्टोरेज केर समीप ट्रक आ ऑटोक टक्कर मे 6 गोटेक मौत पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार गहींर संवेदना व्यक्त केलनि अछि। सीएम कहलनि अछि जे ई घटना अत्यंत दुखद अछि। भगवान सं प्रार्थना केलनि जे मृतकक परिवार कें एहि शोकक घड़ी में धैर्य सहन करबा लेल ताकति देथिन। मुख्यमंत्री एहि घटना मे घायल लोक कें उचित इलाज करबाक निर्देश देलनि अछि आ हुनकर शीघ्र ठीक हेबाक कामना केलनि अछि।

सीएम जतौलनि दु:ख

एहि संबंध मे ऑटो मे सवार महिला यात्री सविता देवी कहलनि जे हम सब हरौली सं पूजा कए विदा भए रहल छलहुं। ऑटो मे 9 गोटे सवार छल। हमरा आ हमर परिवारक लोक मात्र छल। हमर पैघ बहिन सविता कुमारी आ एकटा रिश्तेदार रेखा देवी, एकटा ललिता देवी, संगहि सासु संगीता देवी आ एकटा बच्चा। कुल 9 गोटे टेम्पो पर सवार छलाह। हम सब पूजा केलाक बाद वापस आबि रहल छलहुं। तखनहिं ई दुर्घटना भेल।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here