17 C
London
Thursday, April 23, 2026

ट्रक मे फंसि कए घसीटाइत रहत बाइक, दू युवकक मौत, सड़क जाम

सुपौल, समदिया

जिलाक प्रतापगंज थाना क्षेत्र मे एनएच-27 बेलही पुलक निकट ट्रकक चपेट मे आबय सं दू गोट बाइक सवार युवकक घटनास्थल पर मौत भए गेल। एहि घटनाक बाद ट्रक चालक आ खलासी फरार भए गेल। आक्रोशित ग्रामीण सभ एनएच-57 कें चारि घंटा धरि जाम कए देलनि। मृतकक पहिचान अमित कुमार आ हुनकर मसियौत भाइ राहुल कुमार यादवक रूप मे भेल अछि। अमित अपन भाइ राहुल संग अपन घर बेलही सं लक्ष्मीनियां गाम जाय लेल बाइक पर निकलल छलाह।

बाइक सं एनएच सड़क पर चढ़य सं पहिने, दुनू गोटे एकटा दोकान पर ठंडा पीलनि। ओकरा बाद दुनू गोट बाइक पर सवार भए कए प्रतापगंजक दिशा मे एनएच पर चढ़य लगलाह। एहि दौरान सिमराहीक दिस सं तेज गति सं आबि रहल ट्रकक अगिला भाग मे बाइक फंसि गेल। प्रत्यक्षदर्शी सभक कहनाइ अछि जे स्थानीय लोक सभ ट्रक चालक कें रोकबा लेल हल्ला केलक, मुदा ट्रक मे फंसल दुनू युवक बाइक सहित 20-25 मीटर घसीटाइत रहल। जाहि सं अमितक शरीर क्षतविक्षत भए गेल आ घटनास्थले पर हुनक मृत्यु भए गेल। हुनकर संग जा रहल राहुल कुमार सेहो गंभीर रूप सं घायल भए गेलाह।

घटनाक क्रम मे थानाक 112 नंबरक गाड़ी सेहो घटनास्थल पर पहुंचल, मुदा ओ सभ घायल युवकक स्थिति देखि कए ओकरा उठा कए अस्पताल लए जयबाक बदला भागि गेल। एहि कारण सं लोकसभक आक्रोश ई सेहो छल जे 112 केर पदाधिकारी जं राहुल कें उठा कए लगक प्रतापगंज वा सिमराही अस्पताल पहुंचा देने रहितथि, तं हुनकर जान बांचि सकैत छल। मृतक अमित, पूर्व प्रमुख भूपनारायण यादवक पितियौत भाइ छलाह। घटनाक बाद आक्रोशित ग्रामीण सभ एनएच जाम कए विरोध प्रकट करय लगल, जकर सूचना थाना कें देल गेल।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here