आईपीएल 2026 सं पहिने राजस्थान रॉयल्स लेल पैघ बदलाव सामने आएल अछि। श्रीलंकाक ऑलराउंडर दासुन शनाका चोटिल सैम करनक जगह टीम मे शामिल होए वाला छथि। रिपोर्ट अनुसार शनाका पाकिस्तान सुपर लीगक फ्रेंचाइजी लाहौर कलंदर्स के एहि निर्णयक जानकारी दे चुकल छथि आ स्थानांतरणक प्रक्रिया एखन अंतिम चरण मे अछि।
सैम करन, जे चेन्नई सुपर किंग्स आ राजस्थान रॉयल्स बीच प्री-ऑक्शन ट्रेड मे शामिल छलाह, ग्रोइन चोटक कारण पूरा टूर्नामेंट सं बाहर भए गेलाह। एहि ट्रेड मे चेन्नई सुपर किंग्स संजू सैमसन के लेल छल, जखनकि राजस्थान रॉयल्स रविन्द्र जडेजा आ सैम करन के अपन टीम मे शामिल कएने छल।
राजस्थान रॉयल्स अपन अभियानक शुरुआत 30 मार्च के गुवाहाटी क बारसापारा क्रिकेट स्टेडियम मे चेन्नई सुपर किंग्स क खिलाफ करत। एकरा बाद टीम 4 अप्रैल के गुजरात टाइटन्स, 7 अप्रैल के मुंबई इंडियन्स आ 10 अप्रैल के रॉयल चैलेंजर्स बेंगलुरु सं मुकाबला करत।
दासुन शनाका एतय सं पहिने आईपीएल 2023 मे गुजरात टाइटन्स लेल खेल चुकल छथि, जतय ओ तीन मैच मे 26 रन बनौने छलाह। श्रीलंका लेल ओ 131 टी-20 अंतरराष्ट्रीय मैच खेल चुकल छथि, जाहि मे 1912 रन बनौने छथि आ 46 विकेट सेहो लेलनि अछि।
हालहि मे टी-20 विश्व कप मे शनाका श्रीलंका क कप्तानी सेहो कएने छलाह। ओ नीक फॉर्म मे छथि, जतय ओमान क खिलाफ 20 गेंद मे अर्धशतक आ पाकिस्तान क खिलाफ 31 गेंद मे नाबाद 76 रन बनौलनि।
उल्लेखनीय अछि कि हाल क दिन मे शनाका दोसर खिलाड़ी छथि जे पाकिस्तान सुपर लीग छोड़ि कए आईपीएल टीम सं जुड़ल छथि। एहि सं पहिने ब्लेसिंग मुजारबानी सेहो इस्लामाबाद यूनाइटेड छोड़ि कए कोलकाता नाइट राइडर्स सं जुड़ल छलाह, जतय ओ मुस्तफिजुर रहमानक स्थान पर शामिल भेलाह।



