पटना, समदिया
जनता दल यूनाइटेड (जेडीयू) केर कार्यकारी राष्ट्रीय अध्यक्ष आ राज्यसभा सांसद संजय कुमार झा मिथिला कें मिथिलांचल कहबाक लेल नेता प्रतिपक्ष तेजस्वी यादव आ आरजेडी अध्यक्ष लालू यादवक आलोचना कएलनि। ओ कहलनि जे मिथिला एक व्यापक क्षेत्र अछि, जे देशक सीमा सं बाहर धरि विस्तारित अछि। मिथिलाक ऐतिहासिक विरासत अछि आ ओ कहलनि जे लालू परिवारक डीएनए मे मिथिलाक अपमान निहित अछि। तेजस्वी यादव सेहो अपन पिताक कारनामा कें दोहरा रहल छथि। ओ मिथिला कें मिथिलांचल कहि एक छोट क्षेत्र मे सीमित आ विभाजित करबाक षडयंत्र रचि रहल छथि, जे सफल नहि होयत।
संजय कुमार झा कहलनि जे तेजस्वी यादवक पिता लालू यादवक कार्यकाल मे मैथिली भाषा कें अपमानित कए बीपीएससी सं बाहर कए देल गेल छल। मुदा नीतीश कुमार 2005 मे बिहारक कमान सम्हारलाक बाद मैथिली कें बीपीएससी मे दोबारा शामिल कए ओकरा अधिकार आ उचित सम्मान देलनि।
संजय कुमार झा कहलनि जे पूर्व प्रधानमंत्री अटल बिहारी वाजपेयीक सरकार मे रेल मंत्री रहल नीतीश कुमार कोसी नदी पर महासेतु बनवाकए 1934 केर भूकंप मे दो भाग बंटल मिथिला कें एकीकृत कएलनि। नीतीश कुमारक पहल पर अटल बिहारी वाजपेयी मैथिली कें संविधानक अष्टम अनुसूची मे शामिल करबाक घोषणा कयलनि।



