5.3 C
London
Friday, April 24, 2026

पीएम सं भेंट कयलनि संजय झा, बिहार कें महत्व देबा लेल देलनि आभार

पटना, समदिया

नीतीश कुमारक पार्टी जदयूक कार्यकारी अध्यक्ष संजय झा आइ प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी से भेंट कयलनि। एहि क्रम मे ओ आम बजट मे बिहारक विशेष ध्यान रखबा लेल आभार व्यक्त केलनि। संगहि बिहार सं जुड़ल कतेको महत्वपूर्ण मुद्दा पर सेहो चर्चा कयलनि। संजय झा स्वयं ट्वीट कए एहि बातक जानकारी देलनि अछि। संजय झा सोशल मीडिया पर एकटा ट्वीट मे लिखलनि जे ओ आइ नई दिल्लीक संसद भवन मे स्थित कार्यालय मे आदरणीय प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी सं भेंट केलनि। एहि दौरान राज्यहित आ जनहितक बहुत रास महत्वपूर्ण मुद्दा पर फलदायी चर्चा भेल। संगहि एहि बेरक बजट मे बिहार पर विशेष ध्यान देबा लेल धन्यवाद देलनि।

बता दी जे केंद्र सरकारक बजट मे बिहार कें बहुत रास परियोजना लेल भारी रकम आवंटित कैल गेल अछि। जाहि मे बिहार मे अलग-अलग सड़क परियोजना लेल 26000 करोड़ टाकाक प्रस्ताव देल गेल अछि। पटना-पूर्णियां एक्सप्रेसवे, बक्सर-भागलपुर हाइवे, बोधगया-राजागीर-वैशाली-दरभंगा आ बक्सर पर दू लेन पुल बनबाक बात कहल गेल अछि।

राज्य कें बिजलीक लगातार आपूर्ति देबा लेल 21,400 करोड़क लागति सं बिजली परियोजना लगेबाक घोषणा कैल गेल अछि। पीरपैंती मे 2400 मेगावाट क्षमताक बिजली संयंत्रक निर्माण सेहो कैल जाएत। बिहार मे बाढ़ि नियंत्रण लेल 11500 करोड़ टका आवंटित करबाक घोषणा कैल गेल अछि। एहि कोषक माध्यम सं कोसी-मेची नदी कें जोड़बाक परियोजना सन 20टा आओर परियोजना पूरा कैल जाएत। जनतब दी जे पूर्व मंत्री संजय बिहार आ खास कए कए मिथिलाक समस्या कें विभिन्न प्लेटफार्म पर रखैत रहलाह अछि। ओ बाढ़िक समस्याक समाधान करबा मे बजट सं पहिने वित्त मंत्री निर्मला सीतारमण सं सेहो भेंट कयने रहथि। हुनकहि पहल पर केंद्र सरकार दिस सं बाढ़िक स्थायी समाधान लेल एकटा उच्च स्तरीय कमेटीक गठन सेहो कयल गेल अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here