– पकड़ायल तस्करक निशानदेही पर अंतरजिला गिरोहक भेल खुलासा
– 4.830 किलो गांजा, 39 बोतल शराब आ 11.53 लाख नगद बरामद
दरभंगा, समदिया
दरभंगा एयरपोर्ट पर सुरक्षा जांचक दौरान 470 ग्राम गांजा संग एक व्यक्ति कें गिरफ्तार कएल गेल छल। ओहि व्यक्तिक निशानदेही पर पुलिस अंतरजिला गांजा तस्कर गिरोहक भंडाफोड़ कएलक अछि। एहि कार्रवाई मे पुलिस तीन आन तस्कर कें सेहो गिरफ्तार कएने अछि। छापेमारी में कुल 4.830 किलोग्राम गांजा, 39 बोतल विदेशी शराब आ 11 लाख 53 हजार 750 रुपैया नगद बरामद भेल अछि। एहि संबंध मे सदर थानाध्यक्ष मनोज कुमार बतौलनि जे शुक्रदिन एयरपोर्ट पर सुरक्षा जांचक दौरान एक यात्रीक बैग सं गांजा सन पदार्थ भेटबाक सूचना भेटल। सूचना पर पुलिस पहुंचि सत्यापन कएलक, जकर बाद बिरौल थाना क्षेत्रक बलहा गाम निवासी मोहन कुमार यादव कें गिरफ्तार कएल गेल। ओहि व्यक्ति लग सं 470 ग्राम गांजा, एक मोबाइल फोन, तीनटा बैंक पासबुक, दूटा नोटबुक आ एक पॉकेट खैनी बरामद भेल।
गिरफ्तार तस्कर पूछताछक दौरान बतौलक जे ई गांजा रामनरेश यादव सं सात हजार रुपैया मे किनने छल। मोबाइल जांच मे पेटीएम माध्यम सं तीन हजार रुपैया ऑनलाइन भुगतान करबाक प्रमाण सेहो भेटल। एहि आधार पर पुलिस बलहा गाम मे छापेमारी कए रामनरेश यादव कें सेहो गिरफ्तार कएलक। आगुक पूछताछ मे रामनरेश यादव बतौलनि जे ओ गांजा समस्तीपुर जिलाक लगमा गाम निवासी प्रीतम कुमार सिंह सं किनैत छल। एहि सूचना पर पुलिस समस्तीपुर जिलाक सिंघिया थाना क्षेत्र मे छापेमारी कए प्रीतम कुमार सिंहक घर सं एक लाख रुपैया नगद, 2.94 किलोग्राम गांजा आ 180 एमएलक 39 बोतल विदेशी शराब बरामद कएलक।
एहि क्रम में लगमा गाम में रविंद्र कुमार सिंह आ राजू कुमार सिंहक घर पर सेहो छापेमारी कएल गेल, जतय सं 1.890 किलोग्राम गांजा आ 10 लाख 53 हजार 750 रुपैया नगद बरामद भेल। पुलिस सभ बरामद सामान, गांजा आ नगदी जब्त कए आगूक कार्रवाई लेल सिंघिया थाना कें सुपुर्द कएने अछि। एहि मामिला मे चारि तस्कर कें गिरफ्तार कएल गेल अछि। सदर थानाध्यक्ष सह प्रशिक्षु आईपीएस केतन कुमार कहलनि जे सभ गिरफ्तार तस्करक विरुद्ध आगूक कानूनी कार्रवाई कएल जा रहल अछि।



