पटना, समदिया
हालहि मे नीतीश कुमारक नेतृत्व मे जनता दल यूनाइटेड (जदयू) मे शामिल भेल पूर्व मंत्री श्याम रजक कें एकटा पैघ जिम्मेदारी देल गेल अछि। नीतीश कुमार हुनका जदयूक राष्ट्रीय महासचिव बनौलनि अछि। संगहि जदयूक वरिष्ठ नेता अरुण कुमार कें झारखंडक पार्टी सह प्रभारी नियुक्त कैल गेल अछि। ज्ञात हो जे 1 सितंबर कें श्याम रजक फेर सं जदयू मे शामिल भेलाह आ पार्टीक कार्यकारी अध्यक्ष संजय झा हुनका सदस्यता दियेलनि। ई दोसर मौका अछि, जहन श्याम रजक फेर सं जदयू मे वापस अएलाह अछि। एहि सं पहिने श्याम रजक, जे आरजेडीक प्रमुख नेता मानल जाइत छलाह, लोकसभा चुनाव मे टिकट बंटवारा कें लए कए असंतोष व्यक्त कएने छलाह आ लालू यादव पर परिवारवादक आरोप लगौने छलाह।
श्याम रजक 1995 मे पहिल बेर फुलवारी शरीफ सं विधायक बनल छलाह आ ओ नीक समय धरि लालू यादव कें संग देलनि। बिहार मे जहन राबड़ी देवी मुख्यमंत्री बनलीह, तं लालूक आदेश पर श्याम रजक कें मंत्री बनाओल गेल छल। मुदा 2005 मे जहन नीतीश कुमार सत्ता मे अएलाह, तं श्याम रजक कें लालू सं मोह भंग होमय लागल। जून 2009 मे श्याम रजक आरजेडी कें छोड़ि कए जदयू मे शामिल भए गेल छलाह, ओहि समय ओ आरजेडीक राष्ट्रीय महासचिव छलाह। नीतीश कुमार हुनका खाद्य एवं आपूर्ति विभागक मंत्री बनौने छलाह आ ओ बिहार विधान सभा मे मुख्य विपक्षी दलक सचेतक सेहो रहलाह।
हालक मास सभ मे जदयू मे संगठनात्मक स्तर पर कतेको महत्वपूर्ण बदलाव भेल अछि। किछु दिन पहिने पार्टीक नव प्रदेश कार्यकारिणीक गठन भेल, जाहि मे 118 सदस्य सभ कें शामिल कैल गेल। एहि सं पहिने पार्टी अपन सभ प्रकोष्ठ कें भंग कए नव प्रकोष्ठ बनौने छल। जदयू प्रदेश कमेटी कें भंग कए नव कमेटी बनाओल गेल अछि, जे पार्टीक भीतर सुदृढ़ संगठनात्मक संरचना कें दर्शाबैत अछि।



