5.3 C
London
Friday, April 24, 2026

गर्दनि पर चक्कू मारि नगद आ चेन छीनि लेलक

वैशाली, समदिया

गंगा ब्रिज थाना क्षेत्र के अंतर्गत फुलहरा पुल के पास तीन बदमाश एकटा युवक के कंठ काटि क’ घायल क’ देलक। एकर बाद ओ सभ पाइक संग सोनाक चेन लूटि क’ भागि गेल। घटना के जानकारी मिलला के बाद परिवार के लोक स्थानीय लोक के मदद सं घायल के तुरंत इलाज के लेल सदर अस्पताल हाजीपुर में भर्ती करा देलक। जतय सं डॉक्टर हुनका बेहतर इलाज के लेल पटना पीएमसीएच रेफर क’ देलनि. युवा के हालत गंभीर बनल अछि।

काजक बाद घर वापसीक क्रम मे घटल घटना

घायल युवक के राजापाकर थाना क्षेत्र के ररुई हुसैनबाद गाम निवासी उमेश दास के बेटा गुड्डू कुमार (25) बताओल गेल अछि। ओकर पिता बतौलनि जे लड़का कपड़ाक दोकान मे काज क’ घर वापस आबि रहल छल, तखने रास्ता मे तीनटा युवक ओकरा घेर लेलक आ लूटपाट शुरू क’ देलक। लूट के विरोध भेला पर एकटा बदमाश चाकू सं ओकर कंठ फाड़ि देलक। जकर कारणेँ गहींर घाव भ’ गेल छै। एकर बाद ओ सभ मजदूरी के पाइ आ सोनाक चेन केँ गरदनिसँ लूटि क’ भागि गेल। घटना के जानकारी मिलला के बाद गंगा ब्रिज थाना के पुलिस अधिकारी तुरंत मौका पर पहुंचि मामला के जांच शुरू क’ देलक। तीनू बदमाश के गिरफ्तारी लेल छापामारी कएल जा रहल अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here