10.3 C
London
Thursday, April 16, 2026

दक्षिण अफ्रीका न्यूजीलेण्ड कें चारिम टी-20 मे हरौलक, सीरीज 2-2 सं बराबर

दक्षिण अफ्रीका क पुरुष टीम पांच मैचक टी-20 सीरीज मे वापसी करैत रविदिन चारिम मुकाबला मे न्यूजीलेण्ड कें 19 रन सं हरा देलक आ सीरीज कें 2-2 सं बराबर कए देलक अछि। सीरीजक आखिरी टी-20 मुकाबला 25 मार्च के खेलाएत।

दक्षिण अफ्रीका वेलिंगटन मे खेलाएल मैच मे टॉस जीत कए पहिने बल्लेबाजी करैत 20 ओवर मे 5 विकेट पर 164 रन बनौलनि। जवाब मे न्यूजीलेण्डक टीम 18.5 ओवर मे 145 रन पर सिमटि गेल।

165 रनक लक्ष्यक पीछा करैत न्यूजीलेण्ड नीक शुरुआत कएलक आ पावरप्ले मे 50 सं बेसी रन बनौलनि, मुदा एहि दौरान दू विकेट सेहो गिरि गेल। कैटेन क्लार्क 9 रन आ टिम रॉबिन्सन 32 रन बना कए आउट भए गेलाह। तेसर विकेट नौम ओवर मे डेन क्लीवर (26 रन) क रूप मे गिरल। एकरा बाद बेवोन जैकब्स 3 रन आ कप्तान जेम्स नीशम 6 रन बना कए सस्ता मे आउट भए गेलाह।

14म ओवर मे निक केली 19 रन आ कोल मैककॉन्ची 10 रन बना कए पवेलियन लौटि गेलाह। अंत मे जैकरी फॉल्क्स 7, जोश क्लार्कसन 10 आ काइल जैमीसन 13 रन बना कए आउट भए गेलाह आ पूरा टीम 18.5 ओवर मे 145 रन पर सिमटि गेल। दक्षिण अफ्रीका 19 रन सं मैच जीत लेलनि।

दक्षिण अफ्रीका लेल गेराल्ड कोएट्जी 3 विकेट लेलनि, ओटनील बार्टमैन, प्रेनेलन सुब्रायन आ केशव महाराज 2-2 विकेट लेलनि आ वियान मुल्डर 1 विकेट हासिल कएलनि।

एहि सं पहिने दक्षिण अफ्रीका 5 विकेट पर 164 रन बनौने छल। टीमक विकेटकीपर बल्लेबाज कॉनर एस्टरहुइजन सभसं बेसी 57 रन बनौलनि, जाहि मे तीन छक्का आ सात चौका शामिल रहल। टोनी डी जॉर्जी 23 रन, रुबिन हर्मनन नाबाद 28 रन, डियान फोरेस्टर 19 रन, जेसन स्मिथ 19 रन आ जॉर्ज लिंडे नाबाद 14 रनक योगदान देलनि।

न्यूजीलेण्ड लेल काइल जैमीसन 2 विकेट लेलनि, जबकि जैकरी फॉल्क्स, बेन सियर्स आ कोल मैककॉन्ची 1-1 विकेट हासिल कएलनि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here