17 C
London
Thursday, April 23, 2026

झारखंड विधानसभा स्पीकर 18 विधायक कें केलनि सदनसं निलंबित, अमर बाउरी कहलनि- ई लोकतंत्रक हत्या

रांची, समदिया

झारखंड विधानसभा अध्यक्ष रवीन्द्रनाथ महतो भाजपा के 18 विधायक के निलंबित क देलनि। नियमावली 299 आ 310क उल्लेख करैत अध्यक्ष कहलनि, “हम एकरा लेल निर्णय लेबाक लेल स्वतंत्र छी आ ई हमर विशेषाधिकार अछि।” जकर बाद ओ विपक्ष के 18 विधायक के निलंबित करय के फैसला केलनि। अध्यक्षक एहि कार्रवाईक बाद अमर बाउरी एकरा लोकतंत्रक हत्या बतौलनि।

बुध राति सँ भाजपा विधायक नौकरी आ बेरोजगारी भत्ता पर सरकार के जवाब पर विधानसभा परिसरे मे रुकल छलाह। एकर बाद बृहस्पति दिन भोरे जहिना सदनक कार्यवाही शुरू भेल, गिरिडीहक विधायक सुदिव्या कुमार सोनू कतेको विधायकक नाम लऽ कऽ अध्यक्ष सँ कार्रवाईक मांग कयलनि। जकर बाद स्पीकर विपक्षक कतेको नेता कें नाम ल क हुनकर आचरण सदनक अनुरूप नहि बताबैत निलंबित क देलनि. 18 विधायक कें मानसून सत्रसं 2 दिन के लेल निलंबित क देलक अछि। 2 अगस्त दोपहर 2 बजे तक के लेल विधायक कें सस्पेंड कयल गेल अछि।

18 विधायकक निलम्बनक बाद नेता प्रतिपक्ष अमर बाउरी कहलनि जे आइ दिनदहाड़े अध्यक्ष लोकतंत्रक हत्या क देलनि अछि। बिना कोनो दोषक अध्यक्ष द्वारा अपनाओल गेल रवैया ई दर्शाबैत अछि जे सरकार निरंकुश भ गेल अछि। सुदिव्या कुमार सोनू के कहला पर हमरा सब के एहि तरहें निलंबित क देल गेल अछि। आइ पूरा भारतक इतिहासमे पहिल बेर 18 विधायककेँ निलम्बित कयल गेल अछि। जाहि चुनावी वादा पर सरकार सत्तामे आयल छल ओकर आइ हिसाब नहि अछि। स्पीकर हमर अधिकार छीन लेलक। कांग्रेस पहिने आपातकाल लगा देने छल, आइ कांग्रेस झामुमो अघोषित आपातकाल लागू क देलक अछि। मीडियाकर्मी के सेहो जाए पर रोक लगा देल गेल।

अमर बाउरी कहलनि जे स्पीकर महोदय जे आचरणक बात क रहल छथि,हुनकर पहिने कें वीडियो अहां देख लीय ओ केहन व्यवहार करैत छलाह। हम सभ एहन कोनो तरहक व्यवहार नहि केलहुं, तइयो हमरासभकेँ निलंबित क देल गेल अछि। जनता सरकार के एहि रवैया के देख रहल अछि। विधानसभा चुनाव मे जनता ओकरा उखाड़ि देत। स्पीकर हाथ उठा कए चुनौती दैत छथि। हुनका देखैत ई नहि बुझाइत अछि जे ओ विधानसभाक अध्यक्ष छथि। आइ धरि कोनो स्पीकर एहन व्यवहार नहि कयने छथि।

 

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here