दरभंगा, समदिया
मिथिला चित्रकलाक क्षेत्रमे उत्कृष्ट योगदान लेल मिथिलाक धिया सुधा मिश्रा कें शनिदिन बिहार रत्न सम्मान से सम्मानित कयल गेलनि। राष्ट्रीय युवा कल्याण परिषद, पटना केर तत्वावधानमे आयोजित सम्मान समारोहमे हुनका ई सम्मान संस्थाक अध्यक्ष विश्वमोहन चौधरी एवं प्रसिद्ध मगही गायक अरूण गौतम केर हाथें प्रदान कयल गेलनि। बता दी जे दरभंगा शहरक लक्षमीसागर मुहल्ला निवासी संजीव कुमार मिश्रा केर पत्नी सुधा मिश्रा ‘पीहू आर्ट एंड क्राफ्ट’ केर निदेशिका छथि। मिथिला चित्रकला केर क्षेत्रमे उल्लेखनीय योगदान लेल हुनका एहि सँ पहिले सेहो अनेक विशिष्ट सम्मान भेटि चुकल छनि। खास कऽ भगवान श्रीराम केर अयोध्यामे निर्मित भव्य मंदिरमे गृह प्रवेश केर अवसर पर आयोजित राष्ट्रीय कला महोत्सवमे रंग आ कुची केर सहारे कैनवास पर मिथिलाक धरोहर चित्रकला शैलीमे हिनका द्वारा उकेरल गेल “राम दरबार” कें नहि केवल खूब पसंद कयल गेल, बल्कि पांँच सर्वोत्कृष्ट कलाकृतिमे हिनकर कृति कें शामिल कऽ हिनका “प्राण प्रतिष्ठा कला रत्न” राष्ट्रीय सम्मान सँ सम्मानित कयल गेल छल।
सम्मान ग्रहण कयला बाद सुधा मिश्रा बतेलनि जे मिथिलाक धरोहरि चित्रकला लेल एहि सम्मान सँ सम्मानित भऽ ओ स्वयं कें अत्यंत गौरवान्वित महसूस कऽ रहली अछि। ओ कहलनि जे हुनक संस्कारमे रचल बसल मिथिलाक धरोहरि चित्रकला केर संरक्षण ओ संवर्धनक प्रति ई सम्मान उत्साह बढ़ेबाक काज करत।



