12 C
London
Thursday, April 23, 2026

संतोष गंगवार लेलनि झारखंडक 11म राज्यपालक रूपमे शपथ, मौका पर उपस्थित छलाह सीएम हेमंत सोरेन

रांची, समदिया

संतोष गंगवार बुधदिन झारखण्डक 11म राज्यपालक रूपमे शपथ लेलनि। झारखंड उच्च न्यायालयक कार्यवाहक मुख्य न्यायाधीश सुजीत नारायण प्रसाद भोर 10.00 बजे राजभवनमे संतोष गंगवारकेँ पदक शपथ दियलनि। एहि अवसर पर मुख्यमंत्री हेमंत सोरेन, विधानसभा अध्यक्ष रवीन्द्रनाथ महतो, मंत्री मिथलेश ठाकुर उपस्थित छलाह। मंगलदिन संतोष गंगवार हवाई अड्डासँ सीधा राजभवन पहुँचलाह। एहिसँ पहिने रांची पहुँचला पर बिरसा मुण्डा हवाई अड्डा पर मुख्यमंत्री हेमंत सोरेन आ विधायक कल्पना सोरेन सहित अन्य अधिकारी संतोष गंगवारक स्वागत कयलनि। प्रधान सचिव डॉ. नितिन मदन कुलकर्णी सहित अन्य अधिकारी-कर्मचारी राजभवन मे श्री गंगवार के स्वागत केलथि।
75 वर्षीय संतोष गंगवार बरेली (उत्तर प्रदेश)क निवासी छथि। हुनकर जन्म 1 नवम्बर 1948 केँ भेल छलनि। बरेलीसँ आठ बेर सांसद रहल गंगवार श्रम आ रोजगार राज्य मंत्री (स्वतंत्र प्रभार), वित्त राज्य मंत्री, वस्त्र राज्य मंत्री आ पेट्रोलियम राज्य मंत्रीक रूपमे काज क चुकल छथि। ओ संसदीय कार्य राज्य मंत्री सेहो छलाह।

ओ आगरा विश्वविद्यालय आ महात्मा ज्योतिबा फुले रोहिलखण्ड विश्वविद्यालयसँ बीएससी आ एलएलबीक उपाधि प्राप्त कयलनि। ओ 1996 मे उत्तर प्रदेश भाजपाक महासचिव सेहो छलाह। एकर अतिरिक्त ओ कार्य समितिक सदस्य सेहो रहि चुकल छथि। बरेलीमे हुनक प्रसिद्धि विकास पुरुषक रूपमे अछि। ओ बरेलीमे अर्बन को-ऑपरेटिव बैंकक अध्यक्ष सेहो रहि चुकल छथि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here