4.9 C
London
Monday, April 20, 2026

टी20 विश्व कप फाइनल: अभिषेक-सैमसनक तूफान, भारत 11 ओवर मे बनौलक 137 रन

अहमदाबाद। टी20 विश्व कपक फाइनल मुकाबला मे भारतीय युवा टीम शानदार शुरुआत कए इतिहास रचबाक दिस आगां बढ़ि रहल अछि। न्यूजीलैंडक खिलाफ मैच मे पहिने बल्लेबाजी करैत भारत 11 ओवर मे 1 विकेटक नुकसान पर 137 रन बना लेने अछि। मैच शुरू होए सं पहिने पूर्व कप्तान एमएस धोनी आ रोहित शर्मा जखन विश्व कप ट्रॉफी संग मैदान पर पहुंचलाह, तखन स्टेडियमक माहौल अत्यंत उत्साहपूर्ण भऽ गेल।

अभिषेक शर्माक तूफानी अर्धशतक

सलामी बल्लेबाज अभिषेक शर्मा न्यूजीलैंडक गेंदबाज सभ कें संभलए क मौका नहि देलनि। ओ मात्र 18 गेंद मे अपन अर्धशतक पूरा कएलनि आ कुल 21 गेंद पर 52 रन बनाकए आउट भेलाह। हुनका रचिन रवींद्र टिम साइफर्टक हाथे कैच करौलनि। हुनकर विस्फोटक पारीक बदौलत भारत विश्व कपक सबसं पैघ पावरप्ले स्कोर बनौलनि।

संजू सैमसनक शानदार बल्लेबाजी

शुरुआती मैच सभ मे बेंच पर रहल संजू सैमसन अपन शानदार फॉर्म जारी राखलनि आ एहि विश्व कप मे लगातार तेसर अर्धशतक बनौलनि। सैमसन रनक गति बनाए रखैत ईशान किशन संग मिलि कए पारी कें मजबूत कऽ रहल छथि।

प्लेइंग-11 मे बदलाव

भारतक कप्तान सूर्यकुमार यादव सेमीफाइनल वाली टीम पर भरोसा जतबैत कोनो बदलाव नहि कएलनि।
ओतहि न्यूजीलैंडक कप्तान मिचेल सेंटनर पिचक स्थिति देखि एक बदलाव कएलनि, जतय स्पिनर कोल मैककॉन्ची क स्थान पर तेज गेंदबाज जैकब डफी कें टीम मे शामिल कएल गेल।

वर्तमान स्थिति (11 ओवर बाद)
स्कोर : 137/1
क्रीज पर : संजू सैमसन आ ईशान किशन
रन रेट : 12.45 प्रति ओवर

क्रिकेट विशेषज्ञ सभक माननाइ अछि जे जाहि रफ्तार सं भारत रन बना रहल अछि, अहमदाबाद मे 230 सं 240 रन धरि स्कोर बनबाक संभावना अछि। न्यूजीलैंड लेल वापसीक एकमात्र उपाय ई अछि जे ओ मध्य ओवर मे लगातार विकेट निकालए।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here