पटना, समदिया
चुनावक बीच लाभार्थी सभक बैंक खाता मे 10-10 हजार रुपैया लगातार आबि रहल रहल अछि। बीतल 26 सितंबर कें प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी आ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार 75 लाख महिला सभक खाता मे कुल 7,500 करोड़ रूपैया ट्रांसफर कयने छलाह। एहि कार्यक्रम मे मुख्यमंत्री ऐलान कयने छलाह जे आगामी 3 अक्टूबर कें अन्य महिला सभक खाता मे सेहो राशि पठाओल जायत। ई क्रम आगामी विधानसभा चुनावक बीच आ ओकर बाद सेहो जारी रहत।
नीतीश सरकार महिला रोजगार योजना केर राशि लाभार्थी सभक खाता मे ट्रांसफर करबाक तिथि दिसंबर मास धरि जारी कयने अछि।
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अगस्त मासक अंतिम मे एहि योजनाक घोषणा कयने छलाह। एहि योजना अंतर्गत प्रत्येक घरक एक महिला सदस्य कें रोजगार शुरू करबाक लेल पहिल किस्तक रूप मे 10,000 रूपैया डीबीटी माध्यम सं सीधे हुनकर खाता मे देल जा रहल अछि। सरकारक कथन अनुसार 6 मासक बाद मूल्यांकन कयलाक बाद हुनका 2 लाख रूपैया धरि अतिरिक्त सहायता सेहो देल जाएत।
अक्टूबर-नवंबर मे विधानसभा चुनाव कें दृष्टि मे राखि कए नीतीश सरकार महिला रोजगार योजनाक पंजीकरण प्रक्रिया एहि मास मे शुरू कयने छल। लाखो-करोड़ महिला सभ एहि योजना लेल आवेदन कयने छथि। अखन धरि 75 लाख महिला सभक खाता मे 10-10 हजार रूपैया ट्रांसफर भए चुकल अछि। एहि योजनाक पंजीकरण अखन सेहो चालू अछि। जे महिला सभ आब जुड़ि रहल छथि, हुनका सेहो आगूक समय 10,000 रूपैया देल जाएत।
नीतीश सरकार द्वारा विभिन्न चरण मे महिला रोजगार योजनाक लाभार्थी सभक खाता मे 10-10 हजार रूपैया ट्रांसफर कयल जाएत। एहि लेल दिसंबर मास धरि तिथि जारी कयल गेल अछि। अगिला तिथि 3 अक्टूबर अछि। एहि क्रम मे 6, 17, 24, आ 31 अक्टूबर, एकर बाद 7,14, 21, आ 28 नवंबर आ 5, 12, 19 आ 26 दिसंबर 2025 कें प्रत्येक लाभार्थी कें 10,000 रूपैयाक दर सं राशि ट्रांसफर कयल जाएत।



