मुजफ्फरपुर, समदिया
कांटी थाना क्षेत्रक काली मंदिर लग आईटी इंजीनियर दीपक कुमारक हत्याक मामला मे कार्रवाईक दौरान पुलिस चारि अपराधी कें गिरफ्तार कयलक अछि। अपराधी सब सं हथियार, कारतूस आ दू टा बाइक बरामद कयल गेल अछि। गिरफ्तार अपराधी पुलिस के कहलनि जे, गोली डकैती करय लेल चलाओल गेल छल। पहिने लूटने रही। हम सब हुनका फाइनेंस वर्कर बुझि गलती सं लूटबा लेल रोकि देलहुं। एसएसपी राकेश कुमार कहलनि जे, पुलिस टीम आ डीआईयू टीम लगातार काज क’ रहल अछि। काल्हि एहि टीम द्वारा चारि गोटे के गिरफ्तार कयल गेल। हुनका सब सं एकटा अवैध हथियार आ जीवित कारतूस सेहो बरामद कयल गेल अछि। पहिल घटना अपराधी द्वारा बाइक छीनबाक छल। हुनक बरामदगी के संग- संग घटना मे इस्तेमाल कयल गेल बाइक सेहो बरामद कयल गेल छै। एहि दुनू घटना मे अपराधी शामिल छल, जाहि मे चारि गोटे के गिरफ्तार कयल गेल। दूटा अपराधी फरार अछि। हुनका सब के गिरफ्तार करय लेल सेहो छापामारी कयल जा रहल अछि। अधिकांश अपराधी के डकैती आ छीनतई के इतिहास अछि।
एसएसपी कहलनि जे, सब डकैती के घटना के अंजाम देबय लेल आयल छल, जाहि मे पहिल घटना मे बाइक डकैती भेल छल। एकर बाद भागैत काल दीपक कुमार हुनका लग भेटलाह। लग मे एकटा झोरा छल। सब गोटे के लागल जे दीपक फाइनेंस प्रोफेशनल छथि आ हुनका पास कैश बेसी छनि। एकर बाद सब कियो दीपक के ओवरटेक क’ रोकि देलक। दीपक कुमार गाड़ी स्टैंड पर राखि देलनि। सब अपराधी बैग छीनबाक प्रयास कयलक। झोरा मे पाइ नहि छल। अपराधी सभ हड़बड़ी मे छल। एहि लेल ओ सब मृतकक लैपटॉप आ बाइक संग नहि ल’ गेल।



