17.9 C
London
Thursday, April 23, 2026

जनताक उम्मीद पर पानि फेरि देने अछि केंद्र आ राज्यक सरकार : चरित्र सदाय

मधुबनी, समदिया

शनि कें राजद जिला कार्यालय मधुबनी मे राजद एससी-एसटी प्रकोष्ठक बैसार पूर्व मंत्री सह विधायक समीर कुमार महासेठ आ राजद जिलाध्यक्ष सह पूर्व विधायक रामाशीष यादवक उपस्थिति मे भेल। प्रकोष्ठक जिलाध्यक्ष चरित्र सदायक अध्यक्षता मे भेल एहि बैसार मे सभ प्रखंड मे संगठन कें मजबूत करबाक निर्णय लेल गेल। बैसारक अध्यक्षता करैत चरित्र सदाय कहलनि जे केंद्र आ राज्यक वर्तमान सरकार जनताक उम्मीद पर नीक सं पानि फेरि देलक अछि। संपूर्ण बिहार मे भ्रष्टाचार,  सामाजिक विषमता  आ  अपराध चरम पर अछि। कानून व्यवस्थाक हालति दिन प्रतिदिन बिगड़ल जा रहल अछि। आम जनताक समस्या कें लए कए जल्दिये आंदोलनक शंखनाद कयल जायत।

बैसार कें संबोधित करैत पूर्व मंत्री सह विधायक समीर कुमार महासेठ कहलनि जे बिहार मे 65 प्रतिशत आरक्षण व्यवस्था कें नवम अनुसूची मे शामिल करबाक संबंध मे केंद्र सरकार दिस सं राज्यसभा मे देल गेल उत्तर निराशाजनक अछि। आब साफ भए गेल अछि जे केंद्रक एनडीए सरकारक नीयत एकर पक्ष मे नहि अछि। अत: राजद आरक्षण व्यवस्था कें 65 प्रतिशत बनाकए रखबाक मामला मे सर्वोच्च न्यायालय मे अपन पक्ष राखत। राजद आरक्षणक प्रावधान कें राज्य मे लागू करेबाक लेल सड़क पर संघर्ष करत। बैठक मे कामेश्वर सदा,  नंद बिहारी सदा, छोटेलाल सदा, आनंद सदा, सिकंदर सदा,  लक्ष्मी सदा,  मंगल सदा, वाल्मीकि सदा, लालदेव सदा,  कामेश्वर सदा,  बृहस्पति सदा, नंदकिशोर सदा,  राजू पासवान,  रामाशीष राम, सहित अन्य उपस्थित छलाह।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here