13.6 C
London
Friday, April 17, 2026

फेर जदयू झारखंडक प्रदेश अध्यक्ष बनलाह खीरू महतो

ओ तेसर बेर पार्टीक प्रदेश अध्यक्ष बनलाह

रांची।  जनता दल (यू) झारखंडक प्रदेश अध्यक्ष पद पर फेर एक बेर खीरू महतो निर्विरोध निर्वाचित भेलाह। ओ तेसर बेर पार्टीक प्रदेश अध्यक्ष बनलाह। सांगठनिक चुनाव संपन्न कराबय लेल नियुक्त राज्य निर्वाचन पदाधिकारी श्रवण कुमार हुनका प्रमाण पत्र प्रदान कएलनि।

प्रदेश अध्यक्षक संग एक दर्जन सं बेसी जिला अध्यक्ष आ प्रत्येक विधानसभा क्षेत्र सं राज्य परिषद सदस्य सभक सेहो निर्वाचन कएल गेल। निर्वाचन बाद पार्टी कार्यकर्ता सभ खीरू महतो कें बधाई देलनि आ हुनकर अभिनंदन कएलनि।

एहि अवसर पर खीरू महतो कार्यकर्ता सभक प्रति आभार व्यक्त करैत कहलनि जे जाहि जिला मे एखन धरि सदस्यता अभियान पूरा नहि भेल अछि, ओतय जल्द जिला अध्यक्षक निर्वाचन पूरा कएल जायत। ओ कहलनि जे संसदक बजट सत्र समाप्त भेला बाद संगठनक विस्तार कएल जायत।

ओ स्पष्ट कएलनि जे एहि बेर पार्टी कमेटी मे ओहि कार्यकर्ता सभ कें स्थान देल जायत जे सक्रिय रूप सं काम कए रहल छथि। संगहि प्रदेश कमेटी छोट राखल जायत। खीरू महतो कार्यकर्ता सभ सं अपील कएलनि जे नीतीश कुमार पार्टीक सर्वमान्य नेता छथि, तेहन स्थिति मे हुनक निर्णयक सम्मान कएल जाए आ झारखंड मे पार्टी कें मजबूत बनाबय लेल दिन-रात मेहनत कएल जाए।

निर्वाचन मे रांची सं तेतरा महतो, धनबाद सं पिंटू सिंह, गोड्डा सं चंद्रधर सिंह चुन्नू, पाकुड़ सं गौतम मंडल, हजारीबाग सं प्रभुदयाल महतो, रामगढ़ सं ज्योतिंद्र साहू, बोकारो सं प्रदीप महतो, चतरा सं रामाशीष डांगी, पलामू सं मनोज दुबे, जमशेदपुर सं सुबोध श्रीवास्तव, साहेबगंज सं सुनील सिन्हा, दुमका सं उदय सिंह, सिमडेगा सं सुनील नायक, कोडरमा सं कृष्णा सिंह घटवार, जमशेदपुर महानगर सं अजय कुमार आ रांची महानगर सं अखिलेश राय जिला अध्यक्ष रूप मे निर्वाचित भेलाह।

खीरू महतो कें फेर प्रदेश अध्यक्ष बनला पर जदयू नेता डॉ. आफताब जमील, भगवान सिंह, सागर कुमार सहित कतेको नेता आ कार्यकर्ता हुनका बधाई देलनि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here