दरभंगा, समदिया
दरभंगा एयरपोर्ट पर दरभंगा सं दिल्ली आ दरभंगा सं हैदराबाद जायवला फ्लाइट मे किछु संदिग्ध समान भेटला सं हड़कंप मचि गेल। सीआईएसएफ संगहि सभ एजेंसी आ जिला पुलिस सेहो सतर्क भए गेल। शनि कें विभिन्न जगह सं उड़ान भरनिहार नौ विमान सभ मे विस्फोटक सामान होयबाक खबरि भेटला सं हड़कंप मचि गेल। ओना दरभंगा एयरपोर्ट पर ठाढ़ दू विमान सभ मे कोनो आपत्तिजनक सामान नहि भेटल। दरभंगा सं दिल्ली लेल उड़ान भरयवला 8477 आ दरभंगा सं दिल्लीक उड़ान भरय वला फ्लैट कें उड़ा देबाक धमकी भेटल छल। एहि सूचना पर सदर एसडीओ विकास कुमार, सदर डीएसपी अमित कुमार आ किछु थानाक पुलिस एयरपोर्ट पर जांच मे जुटि गेलाह।
दरभंगा एयरपोर्ट पर दरभंगा सं दिल्ली जायवला फ्लाइट कें बम सं उड़ेबाक धमकी भेटल छल। एहि जानकारीक बाद जिला प्रशासन, सीआईएसएफ आ अन्य एजेंसीक टीम जांच मे जुटि गेल। धमकीक बाद जिला पुलिसक सहयोग सं सीआईएसएफ समेत किछु एजेंसी जांच कयल आ एयरपोर्ट पर दूटा विमान कें रोकि देल गेल। सभ यात्री कें विमान सं उतारल गेल। चारि दिन पूर्व मुम्बई सं दरभंगा जाए वला स्पाइजेटक विमान कें धमकी भेटल छल, जकरा बाद विमानक जांच कैल गेल छल, मुदा किछु संदेहास्पद सामान नहि भेटल।



