फोटो 1204
भारतीय क्रिकेट कंट्रोल बोर्ड (बीसीसीआई) भारतीय क्रिकेटक तीन दिग्गज खिलाड़ी सभकें लाइफटाइम अचीवमेंट अवॉर्ड देबाक घोषणा कएलक अछि। एहि मे पूर्व कप्तान राहुल द्रविड़, रोजर बिन्नी आ महिला क्रिकेटक महान खिलाड़ी मिताली राजक नाम शामिल अछि।
15 मार्च क नई दिल्ली मे बीसीसीआई दिस सं ‘नमन अवॉर्ड्स’ कार्यक्रम आयोजित कएल जाएत, जतय 2024-25 सत्र मे उत्कृष्ट प्रदर्शन करए वाला खिलाड़ी सभकें सम्मानित कएल जाएत। एहि संगहि बीसीसीआई भारतीय क्रिकेटक तीन दिग्गज सभकें लाइफटाइम अचीवमेंट अवॉर्ड देबाक निर्णय लेलनि अछि, जे बोर्डक सभसं पैघ सम्मान मानल जाइत अछि।
बीसीसीआई घोषणा कएलक अछि कि रोजर बिन्नी आ राहुल द्रविड़ क ‘कर्नल सी.के. नायडू लाइफटाइम अचीवमेंट अवॉर्ड’ देल जाएत। ओतहि मिताली राजकें ‘बीसीसीआई लाइफटाइम अचीवमेंट अवॉर्ड फॉर विमेन’ सं सम्मानित कएल जाएत। रिपोर्ट अनुसार एहि तीनू दिग्गज सभकें अवॉर्ड सं संग 25-25 लाख रुपया नगद राशि सेहो देल जाएत।
भारतक पहिल विश्व कप जीत मे रहल छल पैघ योगदान
रोजर बिन्नी भारतीय क्रिकेट इतिहासक महत्वपूर्ण नाम छथि। ओ 1983 क विश्व कप विजेता भारतीय टीमक सदस्य छलाह आ ओहि टूर्नामेंट मे सभसं बेसी विकेट लेनिहार गेंदबाज बनल छलाह। भारतक पहिल विश्व कप जीत मे हुनकर महत्वपूर्ण योगदान रहल। ओ 1985 क वर्ल्ड चैंपियनशिप ऑफ क्रिकेट मे सेहो टीमक हिस्सा छलाह।
क्रिकेट सं संन्यास क बाद बिन्नी कोच, चयनकर्ता आ प्रशासक क रूप मे सेहो योगदान देलनि। ओ 2000 मे अंडर-19 विश्व कप जीतल भारतीय टीमक कोच रहलाह। 2012 सं 2016 धरि ओ राष्ट्रीय चयनकर्ता रहलाह आ 2022 सं 2025 धरि बीसीसीआईक 36म अध्यक्षक रूप मे सेहो कार्य कएलनि।
भारतीय क्रिकेट मे राहुल द्रविड़क पैघ योगदान
राहुल द्रविड़, जे ‘द वॉल’ नाम सं प्रसिद्ध छथि, अंतरराष्ट्रीय क्रिकेट मे 24 हजार सं बेसी रन बनौलनि अछि। ओ एक दशक सं बेसी समय धरि भारतीय टीमक बल्लेबाजी क मजबूत आधार रहलाह। कप्तान क रूप मे सेहो ओ टीमकें कतेको यादगार जीत दिलौलनि।
संन्यास क बाद द्रविड़ नेशनल क्रिकेट एकेडमी मे क्रिकेट प्रमुख क रूप मे युवा खिलाड़ी सभक प्रशिक्षण देलनि। 2018 मे अंडर-19 विश्व कप जीतल भारतीय टीमक कोच सेहो रहलाह। भारतीय पुरुष टीमक मुख्य कोच क रूप मे ओ 2024 टी20 विश्व कप जीत मे सेहो महत्वपूर्ण भूमिका निभौलनि।
महिला क्रिकेटक आइकन छथि मिताली राज
मिताली राज महिला क्रिकेटक आइकन मानल जाइत छथि। 20 वर्ष सं बेसी करियर मे ओ महिला वनडे क्रिकेट मे 7805 रन बनौलनि अछि, जे सभसं बेसी अछि। हुनकर शानदार बल्लेबाजी आ लगातार प्रदर्शन महिला क्रिकेटक छवि बदलि देलक आ लाखों लड़की सभकें प्रेरित कएलक।
कप्तान क रूप मे सेहो ओ भारतीय महिला टीमकें दू विश्व कप फाइनल धरि पहुंचौलनि आ अंतरराष्ट्रीय स्तर पर मजबूत टीम बनाबए मे महत्वपूर्ण भूमिका निभौलनि। महिला क्रिकेटकें नव ऊंचाई देबाक लेल हुनका एहि सम्मान सं सम्मानित कएल जाएत।



