17 C
London
Thursday, April 23, 2026

पटना मे दू युवक कें भेटल तालिबानी सजा, चोरीक आरोप मे पीट-पीट कए मारल गेल

पटना, समदिया

राजधानी पटना मे एक भयावह घटना सामने आयल अछि, जतय चोरीक नीयत सं गेल दू युवक सभक पीट-पीट कए हत्या कए देल गेल। घटना दीघा थाना क्षेत्रक पॉलसन गोदाम मे भेल, जतय ट्रांसफॉर्मर रिपेयरिंग केर गोदाम मे राति मे दू चोर चोरी करय गेल छल। जखन ओ चोरी करबाक प्रयास कए रहल छल, तं गोदाम मालिक आ कर्मी सभ ओकरा सब कें पकड़ि लेलक।

दुनू चोर सभ कें गेट बंद कए निर्दयता सं पीटल गेल, जाहि कारण सं ओ सभ गंभीर रूप सं घायल भए गेल। स्थानीय लोकनिक सूचना पर दीघा थानाक थानाध्यक्ष घटनास्थल पर पहुंचलाह आ घायल चोर सभ कें दानापुर अनुमंडल अस्पताल लए गेलाह, जतय डॉक्टर सभ दुनू कें मृत घोषित कए देलक। मृतक मे एकटा राजेश्वर साहक पुत्र रोहित साह छल, जे दीघा मे रहैत छल। दोसर मृतक उमेश रायक पुत्र राकेश राय छल, जकर परिवारक लेल ई अत्यंत दुखद घटना अछि। मृतक राकेश रायक तीन छोट-छोट बच्चा अछि, जकरा ऊपर सं आब ओकर पिताक साया उठि गेल अछि।

पुलिस घटनास्थल पर पहुंचल आ चारि लोक कें गिरफ्तार कएलक अछि, जाहि मे गोदाम मालिक सेहो शामिल अछि। डीएसपी दिनेश कुमार पांडेय बतौलनि जे सूचना पर डायल 112 केर टीम भोर 3 बजे पहुंचल आ देखलक जे चोर सभ कें गंभीर रूप सं पिटाई भेल अछि। पुलिस चारि अभियुक्त सभ सं पूछताछ कए रहल अछि आ घटनास्थल पर एफएसएल टीम कें सेहो बजाओल गेल अछि। एहि घटना सं इलाका मे तनाव आ हड़कंप मचि गेल अछि आ पुलिस एहि पर कठोर डेग उठा रहल अछि।

वर्जन

– दूनू घायल व्यक्ति कें इलाजक लेल दानापुर अनुमंडल अस्पताल पठाओल गेल। इलाजक क्रम मे दुनू घायल व्यक्तिक मृत्यु भए गेल। ओतहि गोदाम मालिक सहित चारि लोक कें गिरफ्तार कएल गेल अछि। घटनास्थल पर एफएसएल टीम कें बजाओल जा रहल अछि आ गिरफ्तार अभियुक्त सभसं पूछताछ जारी अछि।

– दिनेश कुमार पांडेय, डीएसपी 2, पटना

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here