4.9 C
London
Monday, April 20, 2026

मिथिलाक वैभव दुबई मे उड़ौलनि गर्दा, एक वनडे मे 14 छक्का लगा ऑस्ट्रेलियाई खिलाड़ीक वर्ल्ड रिकॉर्ड तोड़लनि

– भारत यूथ वनडे मे सब सं पैघ स्कोर बनौलक

पटना, समदिया

वैभव सूर्यवंशी यूएई केर विरुद्ध 14 छक्का लगाकें वर्ल्ड रिकॉर्ड कायम केलनि। हुनकर बैटिंग शुक्र कें दुबई मे खेलल गेल यू-19 एशिया कप मैच मे 95 गेंद पर 171 रन रहल। एहि पारी मे वैभव 14 छक्का आ 9 चौकाक मदति सं 180 केर स्ट्राइक रेट सं बैटिंग केलनि। एकर संगहि ओ यूथ वनडे मे सब सं बेसी छक्का लगौनिहार बल्लेबाज बनि गेलथि। ओ 2008 मे ऑस्ट्रेलियाक माइकल हिल द्वारा बनाओल 12 छक्काक रिकॉर्ड तोड़ि देलनि।

14 सालक वैभव मात्र 56 गेंद मे सेंचुरी पूरा केलनि। हुनकर बैटिंगक दम पर भारत यूथ वनडे मे अपन सब सं पैघ स्कोर ठाढ़ केलक। टीम 433 रन बनौलक, जे गत वर्ष ढाका मे स्कॉटलैंड केर विरुद्ध बनाओल गेल 425 रन सं बेसी छल। वैभव केर संग एरोन जॉर्ज आ विहान मल्होत्रा सेहो 69-69 रनक महत्वपूर्ण पारी खेललनि।

भारत 234 रन सं विजयी

भारत ई मुकाबला 234 रन सं जीति लेलक। 434 रन केर लक्ष्य कें खिहाड़ैत करैत यूएई टीम 50 ओवर खेलिकए मात्र 7 विकेट पर 199 रन बनौलक। यूएई दिस सं दू बल्लेबाज फिफ्टी जमौलनि। उड्डीश सूरी 78 रन बनेलाक  बाद नाबाद रहलाह, जहनकि पृथ्वी मधु 50 रन जोड़लनि। भारतक दिस सं 9 गेंदबाजकें परखल गेल आ एहि मे दीपेश देवेन्द्रन सब सं सफल रहलाह, जे 2 विकेट अपन नाम केलनि।

वैभव सूर्यवंशी केर टॉप-3 रिकॉर्ड

वैभव 10 दिन पहिने सैयद मुश्ताक अली ट्रॉफी मे सेहो शतक बनौलनि। 14 सालक वैभव एहि टूर्नामेंट मे सब सं कम उम्र मे शतक बनौनिहार बल्लेबाज बनलाह। ओ 2 दिसंबर कें ईडन गार्डन्स मे महाराष्ट्रक विरुद्ध 61 गेंद मे नाबाद 108 रन बनौलथि, जाहि मे 7 चौका आ 7 छक्का शामिल छल। संगहि वैभव 14 सालक उम्र मे तीन टी-20 सेंचुरी बनौनिहार एकमात्र खिलाड़ी छथि।

वैभव आइपीएल मे फिफ्टी बनौनिहार सब सं कम उम्रक प्लेयर

वैभव सूर्यवंशी आइपीएल मे फिफ्टी बनौनिहार सब सं कम उम्रक खिलाड़ी बनलाह। ओ मात्र 14 साल आ 32 दिन मे अर्धशतक पूरा केलनि। दोसर स्थान पर कप्तान रियान पराग छथि, जे 17 साल 175 दिनक उम्र मे 2019 मे फिफ्टी बनौलनि।

वैभव टी-20 मे शतक बनौनिहार सब सं कम उम्रक बैटर

टी-20 क्रिकेट मे अखन धरिक सब सं युवा शतक बनौनिहार मे वैभव सूर्यवंशीक नाम सब सं ऊपर अबैत अछि। ओ 14 साल 32 दिनक उम्र मे राजस्थान रॉयल्स केर लेल गुजरात टाइटंस केर विरुद्ध मात्र 35 गेंद मे शतक पूरा केलथि। ओकरा बाद विजय जोल 18 साल 118 दिनक उम्र मे महाराष्ट्रक लेल मुंबई केर विरुद्ध 2013 मे शतक बनौलनि।

वैभव 8 फर्स्ट क्लास मैच खेललनि

वैभव सूर्यवंशी बिहारक लेल अखन धरि 8 फर्स्ट क्लास आ 6 लिस्ट-ए मैच खेललनि। फर्स्ट क्लास मैच मे हुनकर 207 रन छल, जहनकि लिस्ट-ए मे 132 रन दर्ज अछि। टी-20 मे हुनकर नाम 18 मैच मे 701 रन दर्ज अछि। एहि प्रदर्शन सं वैभव सूर्यवंशी ने केवल यूथ क्रिकेट मे बल्कि घरेलू आ अंतरराष्ट्रीय मंच पर सेहो अपन प्रतिभाक प्रमाण देलनि अछि। हुनकर नाम भविष्य मे भारतक क्रिकेट लेल प्रेरणास्पद बनत।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here