बेनीपुर, समदिया
बेनीपुर नगर परिषद वार्ड नंबर तीन केर लोक सभ पेयजलक समस्याक निदान आ टूटल नाला सबहक मरम्मति करेबाक लेल मिथिला स्टूडेंट यूनियनक नेतृत्वमे एगो बैसारक आयोजन कयल गेल। बैसारमे उपस्थित लोक सभ कें सम्बोधित करैत एमएसयू बेनीपुरक नगर अध्यक्ष संतोष साहू, विश्वविद्यालय महासचिव गौतम झा, छात्र नेता दिलीप कुमार, नीतीश वत्स, अंजनिश झा कहलनि जे नगर परिषदमे जीत कय जायवला जनप्रतिनिधि सभ केवल आम जनता कें ठकबाक काज कयलन्हि अछि। स्थानीय लोकक समस्या सुनयवला कियो नहि अछि। सभ वार्डमे समस्याक अम्बार लागल अछि आ जनप्रतिनिधि एहि मुद्दा सभ पर कोनो सकारात्मक काज नहि कऽ रहल छथिl स्थानीय मनोज चौधरी, रूना देवी, चुलबुल देवी, रामवृक्ष साहू, नरसिंह राउत, श्याम साहू, अजय साह, अजय चौधरी, विनोद साहू, कल्पना कुमारी आदि कहलनि जे सभ साल भीषण गर्मीमे हमरा लोकनिक चापाकल पानी देनाइ बंद कए दैत अछि। बेर-बेर जनप्रतिनिधि सभ सं गुहार लगेला पर एक दू बेर पानिक टैंकर पठा देल जाइत अछि मुदा ओहि सं पेयजलक पर्याप्त आपूर्ति नहि भए पाबैत अछि। फेर ओकरा बाद पानिक टैंक सेहो एनाइ बंद भए जाइत अछि। आयल दिन नाला सबहक प्लेट जगह – जगह टूटल हेबाक कारणें कतेको लोक के हादसाक शिकार होमय पड़ैत छन्हि। एहन समस्या सभ के देखय आ सुनय आइधरि कोनो स्थानीय जनप्रतिनिधि नहि आयलाह अछि। स्थानीय लोक सभ कतेको बेर आवेदनक माध्यम सं नगर परिषद कार्यालयमे कार्यपालक पदाधिकारी के एकर जानकारी देलौं मुदा आइधरि सकारात्मक पहल नहि कयल गेल अछि।



