9.7 C
London
Monday, April 27, 2026

फेर उफनय लागल कोसी तं लोक मे पसरल डर, तटबंधक सुरक्षा लेल तैनात भेलाह इंजीनियर

सुपौल, समदिया

सुपौल जिला मे कोसी नदीक जलस्तर बृहस्पति कें  अचानक बढ़ि गेलाक कारण लोकक बीच हड़कंप मचि गेल। जिला प्रशासन आ बाढ़ि मे कार्यरत कर्मी आ अधिकारी एक बेर फेर सं अलर्ट मोड पर आएल अछि। डीएम कौशल कुमार कहलनि जे बृहस्पति सुबह 12 बजे कोसी बराजक जलस्तर 1 लाख 46 हजार 620 क्यूसेक आ नेपालक बराह क्षेत्रक जलस्तर 1 लाख 21 हजार 800 क्यूसेक रिकॉर्ड कएल गेल। कोसीक जलस्तर मे लगातार वृद्धि भए रहल अछि। राहति आ बचाव कार्य मे लागल कर्मी सभ चिन्हित स्थान पर तैनात अछि।

एहि सं अतिरिक्त, बांधक देखरेख लेल इंजीनियर सभ कें ड्यूटी पर लगाओल गेल अछि। तटबंधक भीतरक इलाका सं जलस्तरक पल-पल केर अपडेट लेल जा रहल अछि। ओ कहलनि जे हम सभ कोनो स्थिति सं निपटबाक लेल तैयार छी। पीड़ित लोक लेल भोजन, सूखा राशन, पिबाक पानि, मेडिकल सुविधा आ पशुक लेल चारा आदि उपलब्ध कराओल जा रहल अछि।

सुपौल, किशनपुर, सरायगढ़, निर्मली आ मरौना क्षेत्रक लगभग 1 लाख 30 हजार 235 लोक प्रभावित भेल अछि। एहि मे सं सभ सं बेसी नुकसान सुपौल आ किशनपुर प्रखंडक लोक सभ कें भेल अछि। कोसीक तेज धारा मे सैकड़ो लोकक घर विलीन भए गेल अछि। लोक सभ कें खुजल असमानक नीचां रहबाक लेल मजबूर होमय पड़ि रहल अछि।

गंगा मे समा गेल भागलपुरक चौखंडी ब्रिज

भागलपुर : पुल-पुलियाक टूटब,  बहि जायब आ ध्वस्त होयबाक सिलसिला रुकबाक नाम नहि लए रहल अछि। बृहस्पति कें भागलपुर मे वर्षो पुरान पुल बाढ़िक मारि नहि सहि सकल आ गंगाक धार मे समा गेल। तेज वर्षा आ बेसी पानिक दबावक कारण पुल टिकि नहि सकल आ ध्वस्त भए गेल। एहि पुल कें चौखंडी पुलक नाम सं जानल जाइत छल। पुल बहि गेलाक कारण एक दर्जन गामक लोकक तबाही आओर बढ़ि गेल अछि। प्रखंड आ जिला मुख्यालय सं एहि गाम सभक संपर्क टूटि गेल अछि। लोक सभ बहुत लंबा रास्ता तय कए गाम सं बाहर निकलि रहल अछि।

बिहार मे पुलक खसब आ टूटब राजनीतिक विषय बनि गेल अछि। राजद नेता लालू यादव आ तेजस्वी यादव पहिनहि सं नीतीश सरकार पर पुलक खसबाक घटनाक कारण हमला कए रहल छथि। ई पुल भागलपुरक पीरपैंती-बाखरपुर मुख्य मार्ग पर मुस्तफापुर चौखंडी मे बनल छल आ आवागमनक दृष्टि सं बहुत महत्वपूर्ण छल। बृहस्पति कें ई पुल बाढ़िक भेंट चढ़ि गेल। ओना पुल बहुत पुरान छल आ बहुत जर्जर भए गेल छल। ई बाढ़ि सं पहिने सं आशंका कएल जा रहल छल जे पुल बहि सकैत अछि। ग्रामीण सभ प्रशासन कें पहिने सं एहि बारे मे सूचित केने छल, मुदा बचाबैक लेल किछु कारवाई नहि भेल। बृहस्पति कें  नवरात्रक पहिल पूजा दिन ई पुल गंगाक गर्भ मे समा गेल,  जाहि सं दियारा क्षेत्रक दर्जन भर गामक हजारो किसान, मजदूर, छात्र, नौकरी करय वाला आ व्यापारी लोकनि कें प्रखंड मुख्यालय, पीरपैंती थाना, रेलवे स्टेशन, रेफरल अस्पताल, बैंक आ एटीएम सं पूरा संपर्क टूटि गेल।

 

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here