9.7 C
London
Monday, April 27, 2026

सारण मे विषाक्त शराब पीला सं अखन धरि 16 मरल, प्रशासन कहि रहल सात

सारण, समदिया

बिहार मे शराबबंदीक बादो शराब भेटब आब कोनो नव बात नहि अछि। सस्ता दर पर शराब पीबा सं अनगिनत लोकक जान गेल अछि, आ दू शराबी अपन आंखिक रोशनी हेरा चुकल अछि। ओतै दर्जनो लोक सरकारी आ निजी नर्सिंग होम मे अपन इलाज करा रहल अछि।

विषाक्त शराब कांडक शुरुआत सारण जिलाक मशरक सं भेल। मशरक थाना क्षेत्रक ब्राहिमपुर गाम मे तेसरका दिन धरि मौतक सिलसिला जारी रहल। ओना चारिम दिन अखन धरि कोनो नवका मृत्युक सूचना नहि भेटल अछि।

जिला मे अखन धरि 16 व्यक्तिक मृत्यु भए चुकल अछि। एहि मे सं 12 मौत मशरक मे, 2 मढ़ौरा मे आ 2 पानापुर मे विषाक्त शराब पीला सं भेल अछि। लगभग 40 बीमार व्यक्तिक इलाज अस्पताल मे कयलाक बाद हुनका घर पठा देल गेल अछि। मशरक थाना क्षेत्रक ब्राहिमपुर मे 4, खजुरी मे 2, गंडामन मे 2, बलि बिशुनपुरा मे 2, सुंदर मे 1 आ पिलखी मे 1 मौत भेल अछि। एक मृतकक परिवारक सदस्य एहि पर किछु कहबाक सं मना कए देलनि अछि। ग्रामीणक अनुसार, शराब तं सब जगह भेटैत अछि, मुदा कियो खुलि कए विरोध नहि करैत अछि। कारण जे शराब सं संबंधित कारोबारी लोक एतेक ताकतवर भए गेल अछि जे विरोध करबा पर हमला वा माइरपीट कए सकैत अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here