दुस्साहस! दरभंगाक मुरेठ मे महाकवि विद्यापतिक प्रतिमा कएल गेल क्षतिग्रस्त, मिथिला मे आक्रोश
दरभंगा, समदिया दरभंगा जिलाक जाले थाना क्षेत्रक मुरैठ गाम स्थित विद्यापति चौक पर मंगलदिन राति अज्ञात असामाजिक तत्व द्वारा महाकवि विद्यापतिक प्रतिमाक मस्तक तोड़ि देबाक घटना सोझां आयल अछि। बुधदिन भोर लोकक नजरि प्रतिमा पर पड़ल तं ओकर मस्तक क्षतिग्रस्त छल।…
पटना पर दबाव बनौने अछि गंगा, समस्तीपुरक निचला क्षेत्र मे घुसल पानि
सुपौल, खगड़िया आ कटिहार मे कोसी खतरा स्तर सं ऊपर पटना मे शहर कें बचेबाक बंद कएल गेल अछि प्रोटेक्शन वॉलक 108 गेट पटना, समदिया बिहार मे बाढ़िक संकट एखन गंभीर बनल अछि। कोसी आ गंगाक जलस्तर बढ़ल रहबाक कारण उत्तर बिहार सं राजधानी पटना धरि…
श्रीकृष्ण जन्मोत्सव कें लए कए निकलल कलश शोभायात्रा
कमला नदी सं जल बोझि पूजा स्थल पहुंचल श्रद्धालु सभक टोली जयनगर, समदिया श्री श्री 108 श्री कृष्ण जन्मोत्सव समिति, सुभाष चौक गोइत टोल, जयनगरक तत्वावधान मे श्रीकृष्ण जन्मोत्सव कें लए कए शुक्रदिन भव्य कलश शोभायात्रा निकालल गेल। भक्तिमय वातावरण…
घर-द्वारि छीनि रहल अछि गंडक, गाम-गाम घुसि रहल अछि गंगा
– नेपाल मे लगातार भए रहल बरखा सं बिगड़ल गंडकक स्थिति पटना, भागलपुर मे गाम-गाम पहुंचि रहल अछि गंगाक पानि पटना मे गंगा कात भेटल तीन गोटेक शव पटना, समदिया राज्यक विभिन्न जिला मे बाढ़िक कहर देखल जा रहल अछि। स्थिति एहन अछि जे लोक…
स्टूडेंट क्रेडिट कार्ड सं औद्योगिक क्षेत्र धरि, 27 एजेंडा पर लागल मुहर
पटना। मुख्यमंत्री सम्राट चौधरीक अध्यक्षता मे बुधदिन भेल राज्य मंत्रिमंडलक महत्वपूर्ण बैसार मे विकास, शिक्षा, रोजगार, स्वास्थ्य, आधारभूत संरचना आ समाज कल्याण सं जुड़ल कुल 27 एजेंडा पर मंजूरी देल गेल। सरकार बिहार स्टूडेंट क्रेडिट कार्ड योजना कें वित्तीय…
विकराल भेल बाढ़ि, देखिते-देखिते गंगा मे विलीन भए गेल मंदिर
कोसी-गंगा-गंडक समेत कतेको नदी खतरा निशान सं ऊपर फोटो : कोसी पटना, समदिया बिहार मे बाढ़िक संकट एखनहुं टरल नहि अछि। नेपाल आ बिहार मे भेल बरखाक बाद कोसी, गंडक, गंगा, बूढ़ी गंडक, बागमती, पुनपुन आ घाघरा समेत कतेको प्रमुख नदीक जलस्तर खतरा अथवा चेतावनी…
स्वास्थ्य मंत्री निशांत सीतामढ़ी आ शिवहरक पार्टी पदाधिकारी सभ सं कएलनि भेंट
संगठन कें लए कए भेल चर्चा सीतामढ़ी, समदिया बिहार सरकारक स्वास्थ्य मंत्री निशांत सोमदिन सीतामढ़ी आ शिवहर जिलाक पार्टी पदाधिकारी सभ सं औपचारिक भेंट कए हुनकर कुशल-क्षेम पुछलनि। एहि दौरान दुनू जिलाक संगठनात्मक गतिविधि आ अन्य महत्वपूर्ण विषय पर…
बीपीएससी छात्र सभ कें कहलक कुकुर, विवाद बढ़ल तं मंगलक माफी
मुख्यमंत्री देलनि निलंबनक निर्देश, छात्र सभ कहलक, इएह कुकुर सब अधिकारी बनत दिसंबर वा जनवरी मे लेल जा सकैत अछि टीआरई-4 के परीक्षा फोटो : बीपीएससी पटना, समदिया बीपीएससीक परीक्षा नियंत्रक राजेश कुमार सिंहक विवादित बयानक बाद छात्र सभक आक्रोश…
अपन फैसला सं पलटल सरकार, छात्र सभ कें भेटैत रहत 4 लाखक लोन
बिहार सरकार देलक सफाइ, चारि दिन मे दोसर बेर राज्यपाल सं भेंट केलनि मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी पटना, समदिया बिहार मे स्टूडेंट क्रेडिट कार्ड योजना सं उच्च शिक्षा लेल विद्यार्थीक चारि लाख रुपैया धरि ऋण भेटैत रहत। मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी…
मधुबनी मे जाम सं लोक परेशान: पार्किंगक कमी सं मालगोदाम, चौभच्चा चौक आ 13 नंबर गुमती पर समस्या
मधुबनी। मधुबनी शहर मे जामक समस्या गंभीर बनल अछि। चौभच्चा चौक सं लए रेलवे स्टेशन रोड धरि दिन भरि वाहनक लंबा कतार देखल जा रहल अछि। यातायात पुलिसक तैनाती आ वन-वे व्यवस्था रहितो लोक कें जाम सं राहति नहि भेटि रहल अछि। जामक एकटा प्रमुख कारण मालगोदाम मार्ग पर…