स्वास्थ्य मंत्री निशांत सीतामढ़ी आ शिवहरक पार्टी पदाधिकारी सभ सं कएलनि भेंट
- संगठन कें लए कए भेल चर्चा
सीतामढ़ी, समदिया
बिहार सरकारक स्वास्थ्य मंत्री निशांत सोमदिन सीतामढ़ी आ शिवहर जिलाक पार्टी पदाधिकारी सभ सं औपचारिक भेंट कए हुनकर कुशल-क्षेम पुछलनि। एहि दौरान दुनू जिलाक संगठनात्मक गतिविधि आ अन्य महत्वपूर्ण विषय पर विस्तार सं चर्चा भेल। भेटवार्ताक दौरान सीतामढ़ी आ शिवहरक जिलाध्यक्ष, प्रखंड अध्यक्ष, विभिन्न प्रकोष्ठक अध्यक्ष सहित दुनू जिलाक पार्टीक साथी सभ उपस्थित छलाह। मंत्री पार्टी पदाधिकारी सभ सं संगठन कें बेसी मजबूत बनाबय आ आमजन धरि नीतीश कुमारक नीति तथा पछिला 20 वर्षक ऐतिहासिक उपलब्धि सभ कें प्रभावी ढंग सं पहुंचाबय पर विशेष जोर देलनि। एहि अवसर पर विधान परिषद सदस्य रेखा कुमारी, विधायक पंकज मिश्रा, प्रो. नागेंद्र राउत, पूर्व मंत्री डॉ. रंजू गीता, प्रदेश प्रवक्ता अभिषेक झा, सीतामढ़ी जदयू जिलाध्यक्ष सत्येंद्र सिंह कुशवाहा, शिवहर जदयू जिलाध्यक्ष कमलेश पांडेय सहित कतेको वरिष्ठ नेता आ पार्टी पदाधिकारी उपस्थित छलाह।
निशांत कहलनि जे पार्टीक असल ताकत ओकर समर्पित कार्यकर्ता छथि। संगठन जतेक मजबूत आ सक्रिय रहत, ओतेक प्रभावी ढंग सं जनता बीच पार्टीक विचारधारा आ विकासक सोच पहुंचाओल जा सकत। ओ सभ पदाधिकारी सं आपसी समन्वयक संग बूथ स्तर धरि संगठन कें बेसी सशक्त बनाबय आ आमजनक समस्या समाधानक लेल तत्पर रहबाक आह्वान कएलनि। कार्यक्रम मे जिलाक पार्टी प्रवक्ता प्रो. अमर सिंह, शादाब अहमद खान, सुजीत झा, शकीरुल रहमान अंसारी, डॉ. एन.के. शाही, प्रह्लाद महतो, राघवेंद्र कुमार सिंह, दीपक कुशवाहा, जय मंगल कुशवाहा, नागेंद्र प्रसाद राय, गोपी ठाकुर, विनोद कुमार पटेल, अमित प्रकाश गोल्डी, वली अहमद खान, नीतीश्वर पटेल, संजय कुमार साह, मृत्युंजय नाथ ओझा, शंकर सिंह, सुनील सुमन, मुकेश कुमार यादव सहित कतेको नेता उपस्थित छलाह। शिवहर जिलाक प्रखंड अध्यक्ष ब्रजेश गुप्ता, अरुण मिश्रा, रविंद्र कुमार सिंह, अशोक कुमार तथा जिला पार्टी नेता विजय कुमार पटेल, सुदेश कुमार शाही, सुजीत कुमार सिंह, सुरेश कुशवाहा, अरशद रजी, सूफिया तस्लीम, सदरे आलम सहित अन्य पदाधिकारी सेहो कार्यक्रम मे सहभागी छलाह।