Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

अपन फैसला सं पलटल सरकार, छात्र सभ कें भेटैत रहत 4 लाखक लोन

Avatar
By Samadiya Mithila
August 24, 2026 2 Min Read
0

 

 

  • बिहार सरकार देलक सफाइ, चारि दिन मे दोसर बेर राज्यपाल सं भेंट केलनि मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी

 

पटना, समदिया

बिहार मे स्टूडेंट क्रेडिट कार्ड योजना सं उच्च शिक्षा लेल विद्यार्थीक चारि लाख रुपैया धरि ऋण भेटैत रहत। मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी सोशल मीडिया एक्स पर कहलनि जे स्टूडेंट क्रेडिट कार्ड योजनाक संबंध मे विद्यार्थी आ अभिभावकक मोन मे कोनो तरहक संशय नहि रहबाक चाही। मुख्यमंत्री कहलनि जे उच्च शिक्षा लेल चारि लाख रुपैया धरि स्टूडेंट क्रेडिट कार्डक सुविधा भेटि रहल अछि आ आगू सेहो ई सुविधा पहिने जकां जारी रहत। बिहार सरकार युवाक शिक्षा आ हुनकर उज्ज्वल भविष्य लेल पूर्ण रूप सं प्रतिबद्ध अछि। शिक्षाक बाट मे आर्थिक संसाधन कें कखनो बाधक नहि बनय देल जाएत। एहि घोषणाक बीच मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी आइ राज्यपाल सं भेंट कएलनि। चारि दिनक भीतर राज्यपाल सं मुख्यमंत्रीक ई दोसर भेंट अछि।

चारि दिन पहिने राशि दू लाख करबाक बात आयल छल

चारि दिन पहिने नीतीश कुमारक सात निश्चय योजनाक अंतर्गत शुरू भेल स्टूडेंट क्रेडिट कार्ड योजना मे सरकार द्वारा बदलावक बात सामने आएल छल। एहि मे कहल गेल छल जे आब विद्यार्थीक चारि लाखक बदला मात्र दू लाख रुपैया धरि ऋण भेटत। सरकारक एहि निर्णय पर नेता प्रतिपक्ष तेजस्वी यादव सवाल उठौने छलाह। ओ सोशल मीडिया एक्स पर कहलनि जे सरकारक खजाना खाली अछि आ बिहार पर भारी कर्जक बोझ चिंताक विषय अछि। खर्चक अनुपात मे राज्यक अपन राजस्व प्राप्ति सेहो पर्याप्त नहि अछि।

सरकार कहलक, राशि घटाओल नहि गेल

विवाद बढ़लाक बाद बिहार सरकार एहि संबंध मे सफाइ दैत कहलक जे शिक्षा ऋणक राशि घटाओल गेल अछि, ई बात सही नहि अछि। पहिने चारि लाख रुपैया बिहार राज्य शिक्षा वित्त निगमक माध्यम सं उपलब्ध कराओल जाइत छल। आब दू लाख रुपैया शिक्षा वित्त निगमक माध्यम सं देल जाएत, जखन कि बचल दू लाख रुपैया बैंकक माध्यम सं उपलब्ध कराओल जाएत। सरकारक अनुसार, बिहार स्टूडेंट क्रेडिट कार्ड योजनाक अंतर्गत विद्यार्थीक उच्च शिक्षा लेल उपलब्ध वित्तीय सहायता कम नहि कएल गेल अछि, बल्कि ओकर दायरा आओर विस्तृत कएल गेल अछि।

उच्च शिक्षा विभागक सचिवक अनुसार आब दू लाख रुपैया धरि शिक्षा ऋण बिहार राज्य शिक्षा वित्त निगमक माध्यम सं उपलब्ध होयत। दू लाख सं चारि लाख रुपैया धरि अतिरिक्त वित्तीय सहायता बैंक सभक माध्यम सं देल जाएत। पहिने चारि लाख रुपैया धरि पूरा राशि बिहार राज्य शिक्षा वित्त निगमक माध्यम सं उपलब्ध कराओल जाइत छल।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#Bihar#BiharNews#samadiyaMithilaबिहार समाचार
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

विदेश मंत्री जयशंकर रूसी राष्ट्रपति सं भेंट केलाह, पुतिन कहलनि- ‘प्रधानमंत्री मोदी सं भेंट करबाक लेल उत्सुक छी’

Next

बीपीएससी छात्र सभ कें कहलक कुकुर, विवाद बढ़ल तं मंगलक माफी

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • सीएम सम्राट चौधरी 6 बाढ़ि प्रभावित जिलाक कएलनि हवाई सर्वेक्षण
  • स्वास्थ्य मंत्री निशांत सीतामढ़ी आ शिवहरक पार्टी पदाधिकारी सभ सं कएलनि भेंट
  • बीपीएससी छात्र सभ कें कहलक कुकुर, विवाद बढ़ल तं मंगलक माफी
  • अपन फैसला सं पलटल सरकार, छात्र सभ कें भेटैत रहत 4 लाखक लोन

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 25-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-28-2026
  • आजुक ई पेपर
    आजुक ई पेपर 23-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-8-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-08-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • सीएम सम्राट चौधरी 6 बाढ़ि प्रभावित जिलाक कएलनि हवाई सर्वेक्षण
  • स्वास्थ्य मंत्री निशांत सीतामढ़ी आ शिवहरक पार्टी पदाधिकारी सभ सं कएलनि भेंट
  • बीपीएससी छात्र सभ कें कहलक कुकुर, विवाद बढ़ल तं मंगलक माफी
  • अपन फैसला सं पलटल सरकार, छात्र सभ कें भेटैत रहत 4 लाखक लोन

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech