विदेश मंत्री जयशंकर रूसी राष्ट्रपति सं भेंट केलाह, पुतिन कहलनि- ‘प्रधानमंत्री मोदी सं भेंट करबाक लेल उत्सुक छी’
भारतक विदेश मंत्री डॉ. एस. जयशंकर सोमदिन मॉस्को मे रूसक राष्ट्रपति व्लादिमीर पुतिन सं भेट कएलनि। विदेश मंत्री राष्ट्रपति पुतिन कें प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदीक दिस सं शुभकामना देलनि।
क्रेमलिनक दिस सं जारी बयानक अनुसार, बैठकक दौरान राष्ट्रपति पुतिन कहलनि जे विदेश मंत्री जयशंकरक रूस यात्रा रूस आ भारतक बीच दशक सं बनल संबंधक स्तर कें दर्शबैत अछि। दुनू देश सरकारी संबंध, संसदक बीच संबंध आ आर्थिक सहयोग सहित लगभग सभ क्षेत्र मे मिलि कए काज कए रहल अछि।
भारत-रूस व्यापारिक कारोबार मे बढ़ोतरीक चर्चा करैत ओ कहलनि, “मुदा एहि बात सं हमरा खुशी अछि जे एहि वर्ष हमर व्यापारिक कारोबार बढ़ल अछि। पछिला वर्ष एहि मे किछु कमी आएल छल, मुदा एहि वर्ष ई बढ़ि रहल अछि आ एकर किछु हिस्सा, संभवतः सब सं पैघ हिस्सा, प्रधानमंत्री मोदीक कारण अछि, जे रूस-भारत संबंध कें नीक बनाबय पर व्यक्तिगत रूप सं ध्यान दए रहल छथि।”
पुतिन कहलनि, “हमर बातचीतक शुरुआत मे हम अहां सं प्रधानमंत्री मोदी कें हमर शुभकामना देबाक अनुरोध करए चाहब। हमरा आशा अछि जे हम शीघ्र हुनका सं भेंट करब, जेना शंघाई सहयोग संगठनक ढांचा मे हम योजना बनेने छलहुं। हमर कार्यक्रम एहन अछि जे संभवतः एहि वर्ष फेर हुनका सं भेट भए सकैत अछि।”
रूसी राष्ट्रपति कहलनि जे विदेश मंत्री जयशंकर आ रूसक प्रथम उपप्रधानमंत्री डेनिस मंटुरोव, जे अंतरसरकारी आयोगक रूसी पक्षक नेतृत्व करैत छथि, पहिनेहि सभ सं जरूरी मुद्दा पर चर्चा कए चुकल छथि।
ओ कहलनि, “एहि मे कतेको महत्वपूर्ण मुद्दा अछि। एकटा मुद्दा मात्र ऊर्जा नहि अछि, बल्कि उर्वरकक आपूर्ति सेहो अछि। भारतीय किसान आ खेती लेल एहि मुद्दा कें सुलझेबाक लेल हम सभ किछु कए रहल छी। हम एहि आपूर्ति कें बढ़ा रहल छी आ आगू सेहो एकरा बढ़ेबा लेल तैयार छी। परमाणु ऊर्जा, उच्च तकनीकी क्षेत्र मे सहयोग आ दोसर क्षेत्र सं जुड़ल सभ मुद्दा सेहो एजेंडा मे अछि आ एहि मे बहुत तेजी सं बढ़ोतरी भए रहल अछि।”
विदेश मंत्री डॉ. जयशंकर अपन संबोधनक शुरुआत करैत कहलनि, “सब सं पहिने हम अहां कें प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदीक दिस सं स्नेहपूर्ण अभिवादन देबय चाहैत छी। ओ हमरा एकटा निर्देश आ संदेश देने छथि, जे हम अहां धरि पहुंचाबय चाहैत छी।”
ओ कहलनि जे सोमदिन भोर मे अंतरसरकारी आयोगक बैठक भेल छल। हुनका लग आर्थिक सहयोग, परमाणु ऊर्जा, उर्वरक सहित अन्य विषय पर विस्तृत रिपोर्ट अछि। ओ कहलनि जे दुनू देशक आर्थिक सहयोग मे बहुत वृद्धि भेल अछि।
डॉ. जयशंकर आगू कहलनि जे प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी शंघाई सहयोग संगठनक शिखर सम्मेलन मे राष्ट्रपति पुतिन सं भेंट करबाक प्रतीक्षा कए रहल छथि। ओ ईहो आशा व्यक्त कएलनि जे पुतिन कें ब्रिक्स शिखर सम्मेलन मे शामिल होय आ एहि वार्षिक सम्मेलनक मेजबानी करबाक अवसर भेटत।