Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

बीपीएससी छात्र सभ कें कहलक कुकुर, विवाद बढ़ल तं मंगलक माफी

Avatar
By Samadiya Mithila
August 24, 2026 2 Min Read
0

 

 

  • मुख्यमंत्री देलनि निलंबनक निर्देश, छात्र सभ कहलक, इएह कुकुर सब अधिकारी बनत

  • दिसंबर वा जनवरी मे लेल जा सकैत अछि टीआरई-4 के परीक्षा

फोटो : बीपीएससी

पटना, समदिया

बीपीएससीक परीक्षा नियंत्रक राजेश कुमार सिंहक विवादित बयानक बाद छात्र सभक आक्रोश बढ़ि गेल अछि। मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी बीपीएससी परीक्षा नियंत्रक राजेश कुमार सिंह कें निलंबित करबाक निर्देश देलनि अछि। विवाद बढ़लाक बाद राजेश कुमार सिंह वीडियो जारी कए अपन बयान लेल माफी सेहो मांगलनि। पटना मे पत्रकार वार्ताक दौरान राजेश कुमार सिंह कहलनि जे टीआरई-4 परीक्षा दिसंबर अथवा जनवरी मे आयोजित भए सकैत अछि। परीक्षा दू चरण-प्रारंभिक परीक्षा आ मुख्य परीक्षा मे होयत। एहि परीक्षा मे निगेटिव मार्किंग सेहो कएल जायत।

गर्दनीबाग मे प्रदर्शन करैत छात्र सभक संबंध मे पत्रकार सभक प्रश्नक उत्तर दैत परीक्षा नियंत्रक कहलनि जे अहां सभ एकटा कहावत सुनने होयब – हाथी चलय बजार तं कुत्ता भूकय हजार। एहि बयानक बाद प्रदर्शनकारी छात्र सभ आक्रोशित भए गेलाह।

छात्र सभ बीपीएससी चोर अछि केर नारा लगौलनि। प्रदर्शनकारी छात्र सभ कहलनि जे जकरा आइ कुकुर कहल जा रहल अछि, ओही छात्र मे सं केओ एक दिन एहि आयोगक अधिकारी बनत। पहिने कॉकरोचक बात कहल गेल छल तं प्रधान जी चलि गेलाह, आब सचिवक नंबर अछि। छात्र सभक मांग अछि जे बीपीएससी परीक्षा नियंत्रक अपन बयान लेल सार्वजनिक रूप सं माफी मांगथि, नहि तं अगिला आंदोलन बीपीएससीक मुख्य द्वार पर कएल जाएत। विवाद बढ़लाक बाद परीक्षा नियंत्रक वीडियो जारी कए माफी मांगि लेलनि।

छात्र नेताक अधिकारी सभ संग बैठकक नहि निकलल कोनो परिणाम

आंदोलनरत छात्र नेता दिलीप कुमार आ सौरभ कुमार जिलाधिकारी कुंदन कुमार तथा अन्य अधिकारी सभ सं भेंट कए वार्ता कएलनि। बैठक मे पटना एसएसपी कार्तिकेय शर्मा सहित कतेको अधिकारी उपस्थित छलाह। मुदा बैठकक कोनो ठोस परिणाम नहि निकलल। बैठकक बाद छात्र नेता सौरभ कुमार कहलनि जे जं छात्र सभक मांग नहि मानल गेल तं 25 अगस्त कें आंदोलन जारी रहत। छात्र सभ मंगल दिन भोर 10 बजे गांधी मैदानक गेट नंबर-10 सं मुख्यमंत्री आवासक घेराव लेल मार्च निकालबाक घोषणा केने छथि।

बीपीएससी परीक्षा नियंत्रक की कहलनि?

 

परीक्षा नियंत्रक राजेश कुमार सिंह कहलनि जे गर्दनीबाग मे प्रदर्शनक दौरान तृतीय स्थान प्राप्त छात्रक उत्तरपुस्तिका देखा कए कहल जा रहल अछि जे कॉपी खाली अछि। हुनकर अनुसार उत्तरक गुणवत्ता आ लिखल गेल सामग्रीक आधार पर अंक देल जाइत अछि। पत्रकार सभक ई प्रश्न जे जं कोनो छात्र गलत उत्तरपुस्तिका देखा कए भ्रम फैला रहल अछि तं ओकरा विरुद्ध कारबाइ किएक नहि भए रहल अछि, एहि पर ओ हाथी चलय बजार, कुत्ता भूकय हजार कहावतक उल्लेख केलनि।

दू चरण मे परीक्षा पर नहि अछि कोनो विवाद

परीक्षा नियंत्रक कहलनि जे दू चरण मे परीक्षा लेल जयबाक संबंध मे भ्रम फैलाओल जा रहल अछि। ई कहल जा रहल अछि जे बिहार पहिल राज्य अछि जतय शिक्षकक परीक्षा दू चरण मे भए रहल अछि, मुदा एहन नहि अछि। कतेको राज्य मे दू चरण मे परीक्षा आयोजित होइत अछि। हुनकर अनुसार वर्ष 2024 मे नीट-यूजी परीक्षा स्थगित भेलाक बाद राधाकृष्णन समितिक गठन कएल गेल छल। समितिक अनुशंसाक बाद दू चरण मे परीक्षा आयोजित करबाक सुझाव देल गेल छल। आर्थिक अपराध इकाई सेहो दू चरण मे परीक्षा करबाक सुझाव देने छल।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#BiharNewsबिहार सरकार
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

अपन फैसला सं पलटल सरकार, छात्र सभ कें भेटैत रहत 4 लाखक लोन

Next

स्वास्थ्य मंत्री निशांत सीतामढ़ी आ शिवहरक पार्टी पदाधिकारी सभ सं कएलनि भेंट

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • सीएम सम्राट चौधरी 6 बाढ़ि प्रभावित जिलाक कएलनि हवाई सर्वेक्षण
  • स्वास्थ्य मंत्री निशांत सीतामढ़ी आ शिवहरक पार्टी पदाधिकारी सभ सं कएलनि भेंट
  • बीपीएससी छात्र सभ कें कहलक कुकुर, विवाद बढ़ल तं मंगलक माफी
  • अपन फैसला सं पलटल सरकार, छात्र सभ कें भेटैत रहत 4 लाखक लोन

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 25-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-28-2026
  • आजुक ई पेपर
    आजुक ई पेपर 23-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-8-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-08-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • सीएम सम्राट चौधरी 6 बाढ़ि प्रभावित जिलाक कएलनि हवाई सर्वेक्षण
  • स्वास्थ्य मंत्री निशांत सीतामढ़ी आ शिवहरक पार्टी पदाधिकारी सभ सं कएलनि भेंट
  • बीपीएससी छात्र सभ कें कहलक कुकुर, विवाद बढ़ल तं मंगलक माफी
  • अपन फैसला सं पलटल सरकार, छात्र सभ कें भेटैत रहत 4 लाखक लोन

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech