Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

स्टूडेंट क्रेडिट कार्ड सं औद्योगिक क्षेत्र धरि, 27 एजेंडा पर लागल मुहर

Avatar
By Samadiya Mithila
September 2, 2026 3 Min Read
0

पटना। मुख्यमंत्री सम्राट चौधरीक अध्यक्षता मे बुधदिन भेल राज्य मंत्रिमंडलक महत्वपूर्ण बैसार मे विकास, शिक्षा, रोजगार, स्वास्थ्य, आधारभूत संरचना आ समाज कल्याण सं जुड़ल कुल 27 एजेंडा पर मंजूरी देल गेल। सरकार बिहार स्टूडेंट क्रेडिट कार्ड योजना कें वित्तीय वर्ष 2030-31 धरि बढ़ेबाक निर्णय लेने अछि। एकर अंतर्गत छात्र सभ कें 4 लाख टका धरि शिक्षा ऋण भेटैत रहत। एकरा अतिरिक्त पटना मे डाकबंगला चौराहा सं रुकनपुरा धरि नेहरू पथक चौड़ीकरण, बेगूसराय मे नव औद्योगिक क्षेत्र आ अरवल मे मेडिकल कॉलेज-सह-अस्पताल निर्माणक प्रस्ताव कें सेहो स्वीकृति देल गेल।
बिहार स्टूडेंट क्रेडिट कार्ड योजना पांच वर्ष लेल बढ़ल
मंत्रिमंडल छात्र सभक हित मे पैघ निर्णय लैत बिहार स्टूडेंट क्रेडिट कार्ड योजना कें वित्तीय वर्ष 2026-27 सं 2030-31 धरि यानी आगामी पांच वर्ष लेल विस्तारित करबाक मंजूरी देलक। एहि योजनाक अंतर्गत छात्र सभ कें बिहार राज्य शिक्षा वित्त निगमक माध्यम सं पहिने जकां 4 लाख टका धरि शिक्षा ऋण उपलब्ध कराओल जाइत रहत।
बिहार आ पटना संग्रहालय लेल 40 करोड़ टका
वित्तीय वर्ष 2026-27 मे बिहार संग्रहालय आ पटना संग्रहालयक नीक संचालन आ रखरखाव लेल बिहार संग्रहालय समिति कें गैर-वेतन मद मे 40 करोड़ टकाक सहायक अनुदान देबाक प्रशासनिक स्वीकृति देल गेल।
पटना मे नेहरू पथ होयत चौड़ा
राजधानी पटना मे यातायात व्यवस्था कें नीक बनेबाक दिशा मे मंत्रिमंडल महत्वपूर्ण निर्णय लेने अछि। डाकबंगला चौराहा सं रुकनपुरा धरि नेहरू पथ यानी बेली रोडक चौड़ीकरण लेल 39.80 करोड़ टकाक प्रशासनिक स्वीकृति देल गेल। एहि सं प्रमुख सड़क पर यातायात व्यवस्था नीक होयबाक उम्मीद अछि।
बेगूसराय मे 700 एकड़ मे बनत औद्योगिक क्षेत्र
मंत्रिमंडल बेगूसरायक बरौनी अंचलक मल्हीपुर मे नव औद्योगिक क्षेत्र विकसित करबाक प्रस्ताव कें मंजूरी देलक। एकर लेल 700 एकड़ गैरमजरुआ खास भूमि उद्योग विभाग कें निःशुल्क हस्तांतरित कएल जायत। औद्योगिक क्षेत्र विकसित भेलाक बाद जिला मे निवेश आ रोजगारक नव अवसर पैदा होयबाक उम्मीद अछि।
अरवल मे बनत मेडिकल कॉलेज आ अस्पताल
स्वास्थ्य क्षेत्र मे सेहो सरकार पैघ निर्णय लेने अछि। अरवल जिलाक करपी अंचल मे 25 एकड़ भूमि पर राजकीय चिकित्सा महाविद्यालय एवं अस्पतालक निर्माण लेल स्वास्थ्य विभाग कें निःशुल्क भूमि हस्तांतरित करबाक स्वीकृति देल गेल। एहि सं अरवल आ आसपासक क्षेत्र मे उच्चस्तरीय स्वास्थ्य सुविधाक विस्तार होयत।
बिहार राज्य मत्स्य विकास निगम होयत भंग
मंत्रिमंडल बिहार राज्य मत्स्य विकास निगम लिमिटेड, पटना कें विघटित करबाक स्वीकृति सेहो देलक। सरकारक एहि निर्णयक बाद निगम कें समाप्त करबाक प्रक्रिया आगू बढ़त।
बकरी पालक सभ लेल फेडरेशनक गठन
‘सात निश्चय-3’क अंतर्गत राज्य मे बकरी पालन कें बढ़ावा देबाक लेल बिहार राज्य बकरी पालक सहकारी परिसंघ लिमिटेडक गठन कें मंजूरी देल गेल। संगहि तीन वर्ष लेल 14.79 करोड़ टका सं बेसीक योजनाक सेहो स्वीकृति देल गेल। एकर उद्देश्य बकरी पालक सभ कें संगठित करब आ हुनका सभ कें प्रोत्साहित करब अछि।
रामफल मंडल आ राजकुमार शुक्लक नाम पर राजकीय समारोह
मंत्रिमंडल दू स्वतंत्रता सेनानीक सम्मान मे प्रत्येक वर्ष राजकीय समारोह आयोजित करबाक प्रस्ताव कें सेहो मंजूरी देलक। सीतामढ़ी मे अमर शहीद रामफल मंडलक शहादत दिवस 23 अगस्त कें प्रत्येक वर्ष राजकीय समारोह आयोजित कएल जायत। ओतहि पश्चिमी चंपारण मे स्वतंत्रता संग्राम सेनानी पंडित राजकुमार शुक्लक जयंती 23 अगस्त कें राजकीय समारोह मनाओल जायत।
पूर्णिया आ गया मे खुलत आसरा गृह
दिव्यांगजन सशक्तीकरणक अंतर्गत पूर्णिया आ गया मे मानसिक रूप सं अशक्त महिला आ पुरुष लेल 50-50 क्षमतावाला दू अतिरिक्त आसरा गृह संचालित करबाक मंजूरी देल गेल। एहि लेल वार्षिक 1.43 करोड़ टका सं बेसीक खर्चक स्वीकृति देल गेल।
बिहार मे लागू होयत ई-कैबिनेट व्यवस्था
सरकारी काजकाज कें बेसी पारदर्शी आ आधुनिक बनेबाक लेल बिहार मे ई-कैबिनेट प्रणाली लागू करबाक प्रस्ताव कें सेहो मंजूरी देल गेल। एकर लेल बिहार आकस्मिकता निधि सं 2.75 करोड़ टकाक अग्रिम राशि स्वीकृत कएल गेल अछि। ई-कैबिनेट लागू भेलाक बाद मंत्रिमंडल सं जुड़ल काजकाज आ दस्तावेजी प्रक्रिया कें डिजिटल बनेबाक मदति भेटत।
कुल 27 एजेंडा पर लागल मुहर
बिहार मंत्रिमंडलक एहि बैसार मे कुल 27 एजेंडा पर मंजूरी देल गेल। एहि मे शिक्षा, स्वास्थ्य, उद्योग, सड़क, मत्स्य पालन, पशुपालन, समाज कल्याण, दिव्यांगजन सशक्तीकरण आ सरकारी काजकाज कें डिजिटल बनेबाक संग कतेको महत्वपूर्ण प्रस्ताव शामिल अछि। सरकारक एहि निर्णय सभ कें राज्यक विकास आ प्रशासनिक व्यवस्था कें गति देबाक दिशा मे महत्वपूर्ण मानल जा रहल अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#Bihar#BiharNewsपटना समाचारबिहार न्यूजबिहार सरकार
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

एयर मार्शल जितेंद्र मिश्र अयोध्या राममंदिरक नव सीईओ

Next

बिहार मे सीएम सम्राट चौधरीक घोषणा- 6 करोड़ लोकक होयत स्वास्थ्य जांच, सभ नागरिकक बनत डिजिटल हेल्थ रिकॉर्ड

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 05-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 4-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 3-9-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech