एयर मार्शल जितेंद्र मिश्र अयोध्या राममंदिरक नव सीईओ
- ट्रस्टक बैठक मे लेल गेल कतेको महत्वपूर्ण निर्णय
अयोध्या, एजेंसी
अयोध्या मे श्रीराम जन्मभूमि तीर्थ क्षेत्र ट्रस्टक महत्वपूर्ण बैठक बुधदिन भेल। ट्रस्टक अध्यक्ष महंत नृत्य गोपाल दासक मणिरामदास छावनी स्थित आवास पर दिउस 2 बजे शुरू भेल बैठक मे ट्रस्टक तीनटा रिक्त सदस्य पद भरबाक संग श्रीराम जन्मभूमि मंदिर लेल प्रस्तावित मुख्य कार्यकारी अधिकारी (सीईओ)क नाम पर सेहो निर्णय भेल। अवकाशप्राप्त एयर मार्शल जितेंद्र मिश्र कें राममंदिरक पहिल सीईओ बनाओल गेल अछि।
जितेंद्र मिश्र कें ऑपरेशन सिंदूर मे हुनकर भूमिकाक लेल 2025क स्वतंत्रता दिवस पर सर्वोत्तम युद्ध सेवा पदक देल गेल छल। एकरा सं पहिने हुनका 2024 मे अति विशिष्ट सेवा पदक आ 2013 मे विशिष्ट सेवा पदक सं सम्मानित कएल जा चुकल अछि। चढ़ावाक चोरीक मामिला मे मुकदमा दर्ज भेलाक बाद ट्रस्टक महासचिव चंपत राय आ सदस्य डॉ. अनिल मिश्र अपन पद सं त्यागपत्र दए देने छलाह। 6 जुलाईक भेल ट्रस्टक बैठक मे दुनूक त्यागपत्र स्वीकार कएल गेल छल। तकर बाद ट्रस्ट मे तीनटा सदस्य पद रिक्त छल। बुधदिन महेश भागचंद, मदनमोहन पांडेय आ निर्मला यादव कें ट्रस्टक नव सदस्य बनाओल गेल।
बैठक मे प्रमुख पदाधिकारी रहलाह उपस्थित
बैठक मे ट्रस्टक अध्यक्ष महंत नृत्य गोपाल दास, कोषाध्यक्ष गोविंद देव गिरि आ विश्व हिंदू परिषदक केंद्रीय पदाधिकारी दिनेश सहित कतेको सदस्य उपस्थित रहलाह। कमलनयन दास, दिनेंद्र दास आ कृष्ण मोहन सेहो बैठक मे सहभागी भेलाह। विहिपक राष्ट्रीय महामंत्री बीएल बांगड़ा सेहो मणिरामदास छावनी पहुंचि बैठक मे भाग लेलनि। शंकराचार्य वासुदेवानंद सरस्वती, विश्वप्रसन्न तीर्थ, युगपुरुष स्वामी परमानंद, केशव पारासरन, शशांक त्रिपाठी, नृपेंद्र मिश्र, प्रशांत लोखंडे आ संजय प्रसाद बैठक मे ऑनलाइन सहभागी भेलाह।
सीईओक नामक पैनल पहिनहि सौंपल गेल छल
सीईओक नियुक्तिक लेल गठित चयन समिति मंगलदिन ट्रस्टक अध्यक्ष महंत नृत्य गोपाल दास कें संभावित नाम सभक पैनल सौंपने छल। समिति मे न्यायमूर्ति प्रमोद कोहली, लेफ्टिनेन्ट जनरल विष्णु कांत चतुर्वेदी आ वैज्ञानिक तथा उद्योगपति सुरेश हावड़े शामिल छलाह।
बैठक सं पहिने समिति सदस्य सभ राममंदिर मे रामललाक दर्शन कएलनि। बाद मे ग्रीन हाउस मे ट्रस्टक दिस सं हुनका सभ कें सम्मानित कएल गेल। बैठक मे ट्रस्टक प्रवक्ता नियुक्त करबाक आ ट्रस्ट डीड मे संशोधन सहित धार्मिक न्यास समिति, निर्माण समिति, प्रबंध समिति तथा वित्त एवं लेखा समिति सभक काजक समीक्षा आ पुनर्गठन पर सेहो विचार-विमर्श भेल।