Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

देश-दुनिया

अमेरिकाक ईरान पर फेर हमला, 12 गोटेक मृत्यु; जवाब मे अमेरिकी सैन्य अड्डा पर ईरानी प्रहार

Avatar
By Samadiya Mithila
September 2, 2026 2 Min Read
0

 

  • सिरिक मे विवाह समारोहक समय मिसाइल खसला सं पांच गोटेक मृत्यु

 

नई दिल्ली, एजेंसी

अमेरिकाक सेना मंगलदिन राति ईरानक सिरिक, खुजस्तान, केश्म द्वीप आ बंदर अब्बास मे मिसाइल आ ड्रोन सं हमला केलक। ईरानक अनुसार एहि हमला मे 12 गोटेक मृत्यु आ 68 गोटे घायल भेल छथि। सिरिक मे विवाह समारोहक समय मिसाइल खसला सं पांच गोटेक मृत्यु भेल, जाहि मे चारि वर्षक बच्चा सेहो शामिल अछि। खुजस्तान मे सात गोटेक मृत्यु भेल। अमेरिकाक कहब अछि जे ओकर निशाना मात्र ईरानक सैन्य ठिकाना छल।

जवाब मे ईरान जॉर्डन आ बहरीन मे स्थित अमेरिकी सैन्य अड्डा पर हमला केनेबाक दावा केलक अछि। एकरा सं पहिने 30 अगस्त कें अमेरिकाक सेना होर्मुज जलडमरूमध्य लग लारक द्वीप पर दूटा ईरानी रॉकेट प्रक्षेपक पर हवाई हमला केने छल।

यूएसएस अब्राहम लिंकन थाइलैंड पहुंचल

अमेरिकाक विमानवाहक युद्धपोत यूएसएस अब्राहम लिंकन बुधदिन थाइलैंड पहुंचल। 200 दिन सं बेसी समय समुद्र मे बितेला बाद ई पांच दिनक विश्राम लेल ओतय रुकल अछि। युद्धपोत पर करीब 5 हजार सैनिक आ कर्मचारी तैनात छथि। लंबा समय धरि समुद्र मे रहबाक कारण सैनिक सभक मानसिक स्वास्थ्य आ रहन-सहन कें लए कए चिंता सेहो व्यक्त कएल गेल अछि।

रूस ईरान कें सुपरसोनिक मिसाइल तकनीक दए रहल

फाइनेंशियल टाइम्सक रिपोर्टक अनुसार रूस 2023 सं गुप्त रूप सं ईरान कें सुपरसोनिक क्रूज मिसाइल बनेबाक तकनीक विकसित करय मे सहायता दए रहल अछि। कार्यक्रमक सांकेतिक नाम C430L बताओल गेल अछि। रूस रैमजेट प्रणोदन प्रणाली विकसित करय मे सेहो ईरानक मदद कए रहल अछि। रिपोर्टक अनुसार ईरान रैमजेट प्रणालीक परीक्षण कए चुकल अछि, मुदा रूसक सहयोग सं बनल कोनो सुपरसोनिक क्रूज मिसाइल एखन धरि तैनात कएल गेल अछि, तकर प्रमाण नहि अछि। तेज गति आ कम ऊंचाइ पर उड़बाक कारण एहन मिसाइल कें वायु रक्षा प्रणाली सं रोकब कठिन भए सकैत अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

जलविद्युत् क्षेत्र कें एखन धरि सभ सं पैघ क्षति, 900 मेगावाट धरि विद्युत् उत्पादन प्रभावित

Next

एयर मार्शल जितेंद्र मिश्र अयोध्या राममंदिरक नव सीईओ

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 05-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 4-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 3-9-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech