Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

देश-दुनियामिथिला

घर-द्वारि छीनि रहल अछि गंडक, गाम-गाम घुसि रहल अछि गंगा

Avatar
By Samadiya Mithila
September 2, 2026 3 Min Read
0

 

 

–  नेपाल मे लगातार भए रहल बरखा सं बिगड़ल गंडकक स्थिति

  • पटना, भागलपुर मे गाम-गाम पहुंचि रहल अछि गंगाक पानि

  • पटना मे गंगा कात भेटल तीन गोटेक शव

 

पटना, समदिया

राज्यक विभिन्न जिला मे बाढ़िक कहर देखल जा रहल अछि। स्थिति एहन अछि जे लोक रतिजगा करबाक लेल विवश छथि। पश्चिम चंपारण जिलाक योगापट्टी प्रखंडक सिसवा मंगलपुर पंचायतक सिसवा कुटी वार्ड नंबर 9 मे गंडक नदीक कटाव आब लोकक लेल प्रत्येक राति नव आतंक लए कए आबि रहल अछि। मंगलदिन राति करीब दू दर्जन ग्रामीणक आंखि सं निन्न गायब रहल। लोक पूरा राति नदीक तेज धार आ कटैत किनारा पर नजरि गड़ौने रहलाह। परिवार पहिनहि अपन-अपन घर खाली कए देने छल। सभक मन मे डर छल जे भोरे धरि हुनकर घर बचत कि नहि। राति भरि गंडकक कटाव तेज रहल आ देखिते-देखिते तीनटा मकान नदी मे विलीन भए गेल।

ओहि मकान मे विनोद प्रसाद पटेलक घर सेहो शामिल अछि। जे घर किछु दिन पहिने धरि ठाढ़ देखाइत छल, आब ओतय गंडकक धार बहि रहल अछि। कटावक भयावहता एहि सं बुझल जा सकैत अछि जे नदीक धार आब कतेको घर सं मात्र पांच डेगक दूरी पर पहुंचि गेल अछि। कटावक चपेट मे आएल करीब दू दर्जन आओर घर पर खतरा मंडरा रहल अछि। एहन स्थिति मे ग्रामीणक समक्ष सभ सं पैघ प्रश्न अछि जे अगिला राति केकर आशियाना नदी मे समा जाएत।

रातिभर नदीक कात मे जमल रहलाह लोक

राति मे कटाव तेज होयबाक सूचना भेटिते लोक घर सं बाहर निकलि अएलाह। पप्पू पांडेय, मोहन पटेल, गर्जन पटेल, विनोद पटेल, प्यारे लाल पटेल, पारस पटेल सहित कतेको ग्रामीण रातिभर कटैत कात आ नदीक धार पर नजरि रखने रहलाह। ग्रामीणक कहब अछि जे राति होइतहि डर बढ़ि जाइत अछि। लोक घर मे सूतबाक बदला जरूरी सामान आ परिवारक सुरक्षा लेल जागल रहैत छथि। कतेको लोक पहिनहि घर खाली कए देने छथि आ जे किछु बचाओल जा सकैत अछि, से सुरक्षित स्थान पर पहुंचाओल जा रहल अछि।

आंखि मे अछि उजड़ैत घरक पीड़ा

कटाव प्रभावित परिवारक महिला आ बच्चा मे सभ सं बेसी भय देखल जा रहल अछि। नाजमी खातून, रबेया खातून, अपती देवी, लालमती देवी सहित अन्य महिलाक कहब अछि जे वर्षोक मेहनति सं बनाओल घर कें आंखिक सोझां नदी दिस बढ़ैत देखब अत्यंत पीड़ादायक अछि। परिवारक सोझां आब घर बचेबाक अपेक्षा बच्चा आ जरूरी सामान कें सुरक्षित रखबाक चिंता अछि। कतेको ग्रामीण अपनहि हाथ सं मकान तोड़ि ईंट, काठ आ अन्य सामान बचेबा मे जुटल छथि। जाहि घर कें बनेबा मे जीवन भरिक कमाइ लागि गेल, ओकरा कटाव सं पहिने अपने तोड़ि देब लोकक मजबूरी बनि गेल अछि।

 

प्रशासनक नहि पहुंचला सं बढ़ल आक्रोश

ग्रामीणक कहब अछि जे राति भरि कटाव तेज रहलाक बादो प्रशासनक कोनो अधिकारी घटनास्थल पर नहि पहुंचलाह। हालांकि जल संसाधन विभागक दल कें स्थिति सं अवगत करा देल गेल अछि। ग्रामीणक कहब अछि जे कटाव लगातार आबादी दिस बढ़ि रहल अछि आ आब तुरंत प्रभावकारी डेग उठेबाक आवश्यकता अछि। कटाव आ पानिक कारण गामक आवागमन सेहो प्रभावित अछि। ग्रामीण कें गाम आबय-जाइ लेल नावक सहारा लेबय पड़ि रहल अछि। महिला, बच्चा आ वृद्ध सेहो नावक माध्य मे एक ठाम सं दोसर ठाम पहुंचि रहल छथि।

 

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#Bihar#BiharNews#Nepal
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

बिहार मे सीएम सम्राट चौधरीक घोषणा- 6 करोड़ लोकक होयत स्वास्थ्य जांच, सभ नागरिकक बनत डिजिटल हेल्थ रिकॉर्ड

Next

शव नहि भेटला पर कुशक प्रतिरूप बना कएल जा रहल सामूहिक दाह संस्कार

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 05-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 4-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 3-9-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech