पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
जल संसाधन विभागक सचिव सं भेंट कए सांसद संशोधित डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति लेल केलनि आग्रह
दरभंगा, समदिया
उत्तर बिहार कें बाढ़ि सं बचेबाक लेल 1950क दशक मे दरभंगा जिलाक पूर्वी छोर पर बनाओल गेल पश्चिमी कोसी तटबंधक नवीनीकरण, सुरक्षा आ सुदृढ़ीकरण लेल केंद्र आ राज्य सरकार द्वारा तेजी सं पहल कएल जा रहल अछि। करीब सात दशक पुरान एहि तटबंधक आब सुदृढ़ीकरण आवश्यक भए गेल अछि। 2024 मे बाढ़िक पानि सं तटबंधक ऊपरी सतह क्षतिग्रस्त भए गेल छल। भुभौल लग तटबंध टूटि गेलाक कारण सेहो भारी क्षति भेल छल। भविष्य मे बाढ़िक पानि सं होमयवला क्षति आ खतरा कें देखैत तटबंधक 32 किलोमीटर सं 52 किलोमीटरक बीचक हिस्सा कें नव रूप देबाक लेल बिहार सरकार पूर्व मे तैयार डीपीआर कें संशोधित कए 270.63 करोड़ टकाक डीपीआर तैयार केने अछि। एहि संशोधित डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृतिक लेल सरकार लग पठाओल जाएत। भारतीय जनता पार्टीक सांसद सह लोकसभा मे पार्टीक सचेतक डॉ. गोपाल जी ठाकुर बिहार सरकारक जल संसाधन विभागक सचिव चंद्रशेखर सिंह सं हुनकर कार्यालय मे भेंट कए एहि संबंध मे जानकारी देलनि। सांसद सचिव कें 270.63 करोड़ टकाक योजनाक संशोधित डीपीआर शीघ्र केंद्र सरकार कें उपलब्ध करयबाक आग्रह करैत पत्र सेहो देलनि। डॉ. ठाकुर कहलनि जे दरभंगा लोकसभा क्षेत्र अंतर्गत पड़यवला पश्चिमी कोसी तटबंध बाढ़ि सुरक्षा दृष्टि सं अत्यंत महत्वपूर्ण अछि। एहि क्षेत्र मे प्रत्येक बरख बाढ़ि आ जलजमावक कारण पैघ संख्या मे लोक कें कठिनाइ झेलय पड़ैत अछि। तटबंधक सुरक्षा आ सुदृढ़ीकरण सं संबंधित प्रस्तावक समयबद्ध निष्पादन अत्यंत आवश्यक अछि। सांसद कहलनि जे जल शक्ति मंत्रालय, भारत सरकार द्वारा पश्चिमी कोसी तटबंध सं संबंधित 270.63 करोड़ टकाक योजनाक डीपीआर मे आवश्यक संशोधन करबाक निर्देश देल गेल छल। एहि संबंध मे 28 मई 2025 आ 10 जून 2025 कें आवश्यक सुधार लेल पत्राचार सेहो कएल गेल छल। तकर बाद 04 दिसंबर 2025 कें विशेषज्ञ समितिक बैसार भेल आ 29 दिसंबर 2025 कें संशोधित डीपीआर उपलब्ध करयबाक लेल पुनः अनुरोध कएल गेल छल। डॉ. ठाकुर कहलनि जे एहि महत्वपूर्ण बाढ़ि सुरक्षा परियोजनाक शीघ्र क्रियान्वयन लेल ओ पूर्वहूं अनुरोध केने छलाह। समीक्षा उपरांत संशोधित डीपीआर तैयार कए केंद्र सरकार कें पठेबाक दिशा मे पहल कएल गेल अछि।