Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहारमिथिला

पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा

Avatar
By Samadiya Mithila
September 11, 2026 2 Min Read
0

 

  • मुंबई मे 1.75 करोड़क जमीन खरीदलाक मामिला, शिकायतकर्ता बनल आरोपितक शिकायत पर छापामारी

फोटो : पटना

पटना, समदिया

भ्रष्टाचार सं जुड़ल मामिला मे विशेष सतर्कता इकाई (एसभीयू) शुक्रदिन लघु जल संसाधन विभागक अधीक्षण अभियंता राजेंद्र कुमारक पांच ठाम एकहि संग छापामारी केलक। एहि लेल एसभीयूक पांच अलग-अलग टीम गठित कएल गेल छल। टीम पटना स्थित लघु जल संसाधन विभागक कार्यालयक अतिरिक्त छपरा स्थित अधीक्षण अभियंताक कार्यालय आ अन्य परिसर पर पहुंचि पेपर आ संपत्ति सं जुड़ल अभिलेखक जांच कएलक।

जानकारीक अनुसार राजेंद्र कुमार पर तीन करोड़ रुपैया सं बेसीक आय सं अधिक संपत्ति अर्जित करबाक आरोप मे मामिला दर्ज कएल गेल अछि। वर्तमान मे हुनकर पदस्थापना लघु जल संसाधन विभागक छपरा अंचल मे अधीक्षण अभियंता पद पर अछि। एसभीयू टोली हुनकर आय, संपत्ति आ वित्तीय लेन-देन सं जुड़ल पेपरक पड़ताल कए रहल अछि।

बताओल जा रहल अछि जे हालहि मे राजेंद्र कुमार मुंबइक पनवेल क्षेत्र मे करीब 75 डिसमिल जमीन किनलनि, जकर अनुमानित दाम करीब 1.75 करोड़ रुपैया अछि। छापामारीक क्रम मे एहि जमीनक खरीद-बिक्री सं जुड़ल पेपरक सेहो जांच कएल जा रहल अछि। एसभीयू अधिकारी संपत्तिक वास्तविक मूल्य, खरीदक स्रोत आ आयक अनुरूपताक पड़ताल कए रहल छथि।

तीन दिन पूर्व इंजीनियरक शिकायत पर दू आरोपित भेल छल गिरफ्तार

एहि मामिला सं जुड़ल एकटा महत्वपूर्ण पक्ष ई अछि जे तीन दिन पूर्व राजेंद्र कुमारक शिकायत पर आर्थिक अपराध इकाई (ईओयू) दू आरोपित कें गिरफ्तार केने छल। अभियंता आरोप लगौने छलथि जे फोन करयबला व्यक्ति अपना कें ईओयूक अधिकारी बतबैत छल आ जांच सं जुड़ल फाइल अपन नियंत्रण मे राखि मनमाना कारबाइ करबाक धमकी दैत छल। एहि एवज मे पैसाक मांग कएल जा रहल छल।

शिकायतक आधार पर ईओयू कारबाइ करैत महावीर कंस्ट्रक्शनक ठेकेदार अमित कुमार आ बिहटाक रहनिहार हुनकर चालक मंजीत कुमार सिंह कें गिरफ्तार केने छल। जानकारीक अनुसार अमित कुमार आ मंजीते राजेंद्र कुमारक विरुद्ध एसभीयू मे शिकायत केने छल। एहि शिकायतक बाद एसभीयू द्वारा अधीक्षण अभियंताक ठिकाना सभ पर छापामारी कएल गेल अछि। आब जांच एजेंसी आय सं अधिक संपत्ति अर्जित करबाक आरोप आ संपत्तिक स्रोतक पड़ताल कए रहल अछि।

गया मे होटल कारोबारीक ठेकान पर ईडीक दबिश

बैंक ऋण मे धोखाधड़ी आ धनशोधन सं जुड़ल मामिला मे प्रवर्तन निदेशालय (ईडी) सेहो शुक्रदिन गया मे कारबाइ केलक। ईडीक टोली गया आ बोधगया मे रामनंदी होटल्स एंड रिसॉर्ट्स लिमिटेड (आरएचआरएल) सं जुड़ल कतेको ठिकान पर एक्कहि संग तलाशी अभियान चलौलक।

 

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

बिहार समाचार
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर

Next

भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 05-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 4-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 3-9-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech